"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, June 4, 2012

अपन नानिगांव पहुच क भावुक भ गेला गृह सचिव

केन्द्रीय गृह सचिव आर.के. सिंह अपन ननिहाल मधुबनी शहर के सन्निकट शंभुआड़ में शनिदिन क ग्रामीणों द्वारा निर्मित सड़क आ भानुप्रताप वर्मा क्रीड़ा मैदान के उद्घाटनोपरांत उपस्थित जनसमुह स कहलैनी कि अहि क्षेत्र के विकास के लेल हर संभव प्रयास करब। ओ कहला की एतय के लोग आ संस्कृति अन्य प्रांत स बेहतर अछि। एतय के प्रतिभा प्रकृति प्रदत अछि जे कतौ और नहीं देखैत अछि। अहि के एक नहीं ढेर सूचक अछि। ओ कहला की आई हम जे किछ छि से सिर्फ अहि लेल की हम अहि धरती के छि। श्री सिंह कहलैनी कि अहि मुकाम तक के सफ़र में जतेक योगदान हमर पैतृक धरती सुपौल के अछि ओतवे मधुबनी के शंभुआड़ के अछि। ओ कहलैनी की हम  अपन ननिहाल आवी क भावविभोर छी आ हमरा बचपन के किछ संस्मरण सेहो याद आवैत अछि । एतय हम अपन नाना-नानी, मामा-मामी व परिवार के अन्य सदस्य स भेट करे लेल आयल छी। श्री सिंह कहलैनी कि अहि धरती के खासियत अछि कि एतय के लोग सच्चाई आ अच्छाई के कद्र केनाई जानैत छैथ । एतय इमानदार पदाधिकारियों के इज्जत भेटैत अछि जे अन्य जगह पर नहीं देखाइत अछि। श्री सिंह सीमा पर अवस्थित बीओपी के कार्यो के चर्चा करैत कहला कि दुनु देश के बीच मधुर संबंध बनवाई के प्रयास एसएसबी जवान द्वारा कायल जा रहल अछि मुदा एकरा और सशक्त बनावई के जरूरत अछि। अहि दिशा में प्रयास जारी अछि। श्री सिंह एक सवाल के जवाब में कहला कि आतंकवादी गतिविधि में शामिल कोनो भी व्यक्ति के कतौ गिरफ्तारी भ सकैत अछि लेकिन गिरफ्तारी स पूर्व या फेर गिरफ्तारी के बाद ओतय के स्थानीय पुलिस स्टेशन के एकर सूचना देनाइ अनिवार्य अछि। श्री सिंह आई जाही पद पर छैथ ओतय गिनल-चुनल लोग पहुंच पावैत छैथ लेकिन हिनका में खासियत इ छैन जे इ एतेक उच्च पद पर रहैत अपन भाषा संस्कृति आ संस्कार के बरकरार रखने छियाथ। हिनक स्वागत पाग-दोपटा व पुष्प गुच्छ दय क केल गेल। समस्त शंभुआड़ गांव में हुनक आगमन के ल क उत्सवी माहौल छल।

3 comments:

Dr. Dhanakar Thakur said...

श्री सिंह हमर पैत्रिक ग्राम समौलक बस स्टैंड शम्भुआडक दौहित्र छथि जानि अतीव प्रसन्नता भेल
स्वर्गीय प्रतापभानु वर्मा एक स्वतंत्रता सेनानी छ्लाह जे हमर कक्का स्वर्गीय मधुकर ठाकुर, स्वतंत्रता सेनानीक मित्र. हम एक बेर बच्चामे हुनक पत्र लय हुनकासँ भेंट कराय गेल छि प्रसंग मोन नहीं आबी रहल अछि

Bhaskar G Vatsa said...
This comment has been removed by the author.
Bhaskar G Vatsa said...

AI Kshetra ke vikas par dhyaan deta...!!lekin kahiya..?.kono samay seema..??...khali jkhhoth ke gapp..hinka dwara vikas me kki sahyog kail gel akar jaankari aitham debay ke prayatn karab. Maithili aur Mithila apan ohne putra sa vyathit aichh..je aagu badhal aichh..aa bisral aichh.