"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, June 10, 2012

बिहार में रहस्यमय बीमारी स एखन धरि 96टा बच्चा के मौत


बिहार में लगभग दू दशक स हर साल गर्मी के मौसम में अज्ञात बीमारी स बच्चा के मौत होइत अछि आ अहि साल सेहो ई सिलसिला जारी अछि जहनी की सरकार इलाज त  दूर अहि बीमारी के पहचान करै में सेहो विफल अछि। हालांकि स्वास्थ्य विभाग दावा क रहल अछि  कि ओ अहि स निपटई के लेल पूरा इंतजाम केलक अछि लेकिन हकीकत ई अछि कि पिछला 15 दिन में अहि बीमारी स अखनी तक 96 बच्चा काल के गाल में समा गेला। अपुष्ट खबर के मुताबिक ई संख्या अहि स बेसी अछि।



अहि अज्ञात बीमारी स सबस बेसी प्रभावित मुजफ्फरपुर जिला अछि। आई फेर ५ और बच्चा के मौत भ गेल आ  १२ अन्य बच्चा बिभिन्न अस्पताल में भर्ती करायल गेला।  



बतादी की अहि बीमारी के जांच जारी अछि, परंतु सम्भावना व्यक्त कयल जा रहल अछि कि ई 'एक्यूट इंसेफेलाइटिस सिन्ड्रोम' भ सकैत अछि।


पटना के  जानल-मानल  चिकित्सक डॉ़ निशीन्द्र गांव में इलाज मुहैया करावई के आवश्यकता पर बल देलैथ। अनेक प्रभावित गांव के दौरा केलक बाद निशीन्द्र कहला की, "45 डिग्री सेल्सियस तापमान में बच्चा गांव में गंदगी वाला स्थान पर बिना कपड़ा के रौद में घुमैत छैथ ।" ओ प्रश्न केला कि आई कतेक  गांव में डीडीटी के छिड़काव कायल जैत अछि? ओ कहला कि अहि बीमारी के मूल कारण मच्छर, गंदगी आ कुपोषण अछि।



सत्तारुढ़ गठबंधन के घटक भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) के बिहार इकाई के अध्यक्ष आ प्रसिद्ध चिकित्सक सी़ पी़ ठाकुर कहला की ई बीमारी 80 के दशक स प्रत्येक वर्ष गर्मी में ग्रामीण क्षेत्र में अपन कहर बरपावैत अछि।



स्वास्थ्य विभाग के तैयारी में विफल रहै के प्रश्न पर ओ कहला कि बात सफलता आ असफलता के नहीं अछि एकरा दूर करै के लेल सबके आगा आव पड़त । अखनी तक अहि बीमारी के नाम तक नहीं पता चलल अछि हालांकि ठाकुर कहला कि देश में जांच के सुविधा उपलब्ध नहीं भेला पर नमूना के विदेश भेजल जा सकैत अछि आ  ओ  अहि  विषय में स्वास्थ्य विभाग स स्वयं बात करता।



स्वास्थ्य विभाग के प्रधान सचिव अमरदीप सिन्हा बतेला  कि मुजफ्फरपुर आ गया के मेडिकल कॉलेज में अहि बीमारी स निपटई  के लेल चिकित्सक, दवा आ  एम्बुलेंस तक के व्यवस्था कायल गेला। ओ कहला, "विभाग अहि रहस्यमयी बीमारी स निपटई के हरसम्भव कोशिश क रहल अछि । सरकार 11 जिला के ध्यान में राखी क व्यापक स्तर पर टीकाकरण अभियान चला रहल अछि।"



सिन्हा के मुताबिक केंद्र सरकार के अनुसंधान टीम पूरा वर्ष एतय रही क  अहि  बीमारी के अध्ययन करत ।



बतादी कि पिछला साल सेहो अहि बीमारी स गया आ मुजफ्फरपुर जिला में 150 स बेसी बच्चा के  मौत भेल छल जहनी की  वर्ष 2010 में 35 आ   वर्ष 2009 में 50 बच्चा के  मौत भेल छल । 

No comments: