"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, June 8, 2012

बिहार में शिक्षकों की नियोजन प्रक्रिया शुरू


 बिहार के प्राथमिक आ मध्य विद्यालय में शिक्षक के खाली पद के देखैत नियोजन के प्रक्रिया संबंधी कार्य प्रारंभ भय गेल। अहि संबंध में शिक्षा विभाग पिछला महिना घोषित शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीइटी) के परीक्षाफल के आधार पर कक्षा 1 स 5 तक आ वर्ग 6 स 8 तक में खाली पद के बारे में पूरा जानकारी सब जिला कार्यक्रम अधिकारि (स्थापना) स मंगलक अछि।
शुक्रदिन शिक्षा विभाग के स्व. मदन मोहन झा स्मृति सभागार में प्राइमरी एजुकेशन के प्रभारी निदेशक आरएस सिंह के अध्यक्षता में जिला कार्यक्रम पदाधिकारि के बैठक भेल। श्री सिंह बैठक में निर्देश देलैनी कि स्कूल में शिक्षक के कतेक कमी अछि, अहि बारे में आगामी 30 जून तक सूची उपलब्ध करा दिय ताकि टीइटी के रिजल्ट के आलोक में शिक्षक के नियोजन प्रक्रिया प्रारंभ कायल जा सके। शिक्षक के रिक्ति के आकलन में ई देख ली कि पहिले स कतेक खाली पद अछि आ छात्र-छात्रा के आवश्यकता पर नव शिक्षक के कतेक पद चाहि।
प्रभारी निदेशक ने अधिकारि के निर्देश देल गेल अछि कि वेतनमान वाले जे पुरान शिक्षक छैथ हुनक प्रोन्नति के प्रक्रिया आगामी 15 जून तक पूरा भ जेबाक चाही। हालांकि आई के बैठक में शिक्षक के प्रोन्नति के सेहो समीक्षा कायल गेला जाहिमे जिला कार्यक्रम अधिकारियों द्वारा ई जानकारी देल गेल कि हर जिला में शिक्षक के प्रोन्नति प्रक्रिया चल रहल अछि।

No comments: