"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, June 4, 2012

आई स नव पारी के शुरुवात करता मास्टर ब्लास्टर सचिन


 'क्रिकेट के भगवान' मास्टर-ब्लास्टर सचिन तेंदुलकर आई राज्यसभा के सदस्य के रूप में शपथ लेलैनी। शपथ ग्रहण करई स पहिले सचिन तेंदुलकर अपन पत्नी के संग संसदीय कार्यमंत्री राजीव शुक्ला के घर गेलैनी आ ओतय स हुनका संग सीधा उपराष्ट्रपति आ राज्यसभा के अध्यक्ष हामिद अंसारी लग पहुंचला। अंसारी के कक्ष में ओ राज्यसभा के सदस्य के शपथ लेलैनी। राज्यसभा में हुनका 103 नंबर के सीट आवंटित कायल गेल अछि।
-राज्यसभा के सदस्यता ग्रहण करई  के बाद तेंदुलकर अपन ब्लॉग पर अपन पहिल प्रतिक्रिया देलैनी। ओ सबस पहिले कहलैनी की सांसद बनई के लेल ककरो स कोनो सहायता नहीं मंग्लैनी आ नहीं कोनो सिफारिश करेलैनी।
ओ कहला, हम एतय अपन क्रिकेट करियर के बदौलत पहुचलऊ हे आ हम क्रिकेट जारी राखब । हम खेल स जुड़ल हर जरूरी पहलू पर बतौर सांसद अपन भूमिका स न्याय करब। संसद में खेल स संबंधित मुद्दा उठायब ताकि खेल के विकास भ सके। सचिन कहला की, हमरा खुशी  होयत यदि हम भविष्य में एक ऐहेन इंसान के रूप में जानल जायब, जे खेल के विकास के लेल किछ केलक।
टेस्ट आ वनडे क्रिकेट में सर्वाधिक रन के अलावा क्रिकेट के अनेक आसमानी कीर्तिमान रचई वाला तेंदुलकर एहेन पहिल खिलाड़ी छैथ, जे राज्यसभा सांसद बनला हे। हुनका स पूरा देश आ खेल जगत के बहुत उम्मीद छैन कि ओ महज औपचारिक सासंद नही रहता अपन अहि पद के खेल आ युवा के विकास में भरपूर इस्तेमाल करता।
तेंदुलकर के भविष्य में भारत-रत्न स सेहो नवाजल जा सकैत छैन।
लोकपाल के मुद्दा उठेता तेंदुलकर: अन्ना
तेंदुलकर के सांसद बनई पर शुभकामना दैत अन्ना हजारे कहला कि तेंदुलकर के आब संसद में लोकपाल के लड़ाई लड़ना चाहि। अन्ना कहला की, तेंदुलकर आब संसद में लोकपाल के मुद्दा उठेता। हमरा उम्मीद अछि कि ओ ऐना करता।
हजारे कहला कि सचिन एहेन लोग के राजनीति में ऐबाक चाहि। 

No comments: