"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, June 10, 2012

राजनगर स रांटी चौक वाया पिलखवार सड़क भेल जर्जर

राजनगर नरकटिया चौक स वाया पिलखवार रांटी चौक तक जाई वाला मुख्य सड़क के जर्जर भ गेलाक कारण अहि मार्ग पर आवागमन अत्यधिक दुरुह भ गेला। अनेक जगह सड़क में प्रयुक्त कंक्रीट के उखड़ जाई के कारण अहि सड़क के सड़क कहनाई अतिशयोक्ति प्रतीत होयत। अहि कारण दू पहिया आ चार पहिया वाहन सवार के सफर करई में काफी मुश्किल भ रहल छैन । अहि सड़क के रांटी चौक स वाया चकदह जलधारी चौक तक जाई वाला नवनिर्मित बाइपास सड़क स सीधा जुड़ाव भेलाक के कारण लौकहा, अंधराठाढ़ी, लौकही समेत नेपाल स जाई आ उक्त जगह पर जाई वाला दू पहिया चार पहिया आ भारी वाहन के भारी दबाब अछि। अहि कारण राजनगर नरकटिया रांटी मुख्य सड़क के चौड़ीकरण आ ऊंचीकरण केनाई आवश्यक भ गेल अछि। उल्लेखनीय अछि कि प्रखंड मुख्यालय के जिला मुख्यालय स जोड़े वाला इ सड़क न्यूनतम दूरी के सड़क अछि। पिछला दू साल स जर्जर अहि सड़क के ओर अखनी तक नहीं त जनप्रतिनिधि के दृष्टि अहि पर गेला आ नही विभागीय आलाधिकारि के अहि कारण ग्रामीण के बीच काफी आक्रोश अछि। लोग जिला पदाधिकारी के ध्यान उक्त जर्जर सड़क के ओर आकृष्ट करावैत चौड़ीकरण आ ऊंचीकरण अविलंब करावई के मांग केलखिन हे।

No comments: