"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, June 11, 2012

विश्वक पहिल यूनिवर्सिटी फेर स नव राह देखावक लेल तैयार

नालंदा विश्वविद्यालय (एनयू) एक बेर फेर स विश्व क राह  देखायत । ई अपन हारावल ख्याति क वापस प्राप्त करत । एकर पूरा तैयारी कायल जा रहल अछि। एतय पढ़ाओल  जाई वाला पाठ्यक्रम बेस प्रभावी होयत। पाठ्यक्रम निर्माण पर विशेष ध्यान देल गेल अछि। उक्त बात विश्वविद्यालयक  कुलपति गोपा सभरवाल कहलैनी।  ओ कहलथि  कि विश्वविद्यालय क ढांचा निर्माण में हवा क बहाव, सूर्यक रोशनी आ बहैत पानी क ख्याल राखल गेल अछि। 



विश्वविद्यालयक पहिल इवेंट



एनयू कुलपति गोपा सभरवाल कहलैनी कि 19 जुलाई क बोर्ड मीटिंग के तुरंत बाद 20 जुलाई स 22 जुलाई 2012 धरी  पटना में इंडियन काउंसिल ऑफ कल्चरल रिसर्चक संग  कांफ्रेंस ‘सिविलाइजेशन डायलॉग एंड द एशियन’ आयोजित होयत। जाहिमे 15 देशक प्रतिनिधि भाग लेता।



केन्द्र स भेट रहल अछि मदद



ओ कहलैनी कि नालंदा विश्वविद्यालयक काम क प्राथमिकता देवक लेल विदेश मंत्रालय में संयुक्त सचिव नालंदा के पद सृजित केलैनी हे। अहि के अतिरिक्त मोंटेक सिंह अहलूवालिया क अध्यक्षता में योजना आयोगक  एक पृथक कमेटी सेहो गठित भेला। 



पृष्ठभूमि बनल ताकत



ओ कहलैनी कि नालंदा के ग्रामीण पृष्ठभूमि ओकर ताकत अछि। ग्रामीण क्षेत्र क शहरी सुविधा उपलब्ध करावई क बेहतरीन मॉडल विश्वविद्यालय पेश करत। अहिक लेल 'रूलराइजेशनक' विशेषज्ञ प्रोफेसर ते क्योंग शून काम क रहल छियाथ।



बंद नहीं भेला मदद



कुलपति गोपा सभरवाल कहलैनी  कि अंतरराष्ट्रीय मदद बंद नहीं भेला। बिना मांगने सब देश सबस पूर्ण मदद भेट रहल अछि। चीन स एक मिलियन डालर, थाईलैंड स एक लाख डालर, यूनेस्को के गुडविल एम्बेसडर मदनजीत सिंह स 1 मीलियन डालर क घोषणा कायल जा चुकल अछि। अहिक अलावा आस्ट्रेलिया आर सिंगापुर स मदद भेटै वाला अछि। ओ कहलैनी कि हमर प्राथमिकता प्रोजेक्ट क ठाड़ केनाई अछि। 



दिल्ली शिफ्ट हुअ क खबर अफवाह



ओ स्पष्ट कहलैनी कि नालंदा विश्वविद्यालयक दिल्ली स्थानांतरित हुअ  क खबर अफवाह मात्र अछि। ओ कहलैनी कि विश्वविद्यालयक मौलिकता स कोनो छेड़-छाड़ नहीं होयत। विश्वविद्यालय हर हाल में राजगीर में बनत।

2 comments:

Dr. Dhanakar Thakur said...

ee mithilk smachar nahi achhi

Sonu Mishra said...

mithila bihar me achhi tai Bihar ke khabar Mithilak khabar