"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, November 27, 2011

लोक छटाक रंग मे रंगल सहरसा

सहरसा, भारतीय जन नाट्य संध के 14 वें राज्य सम्मेलन मे पहिल दिन(शुक्रदिन) एमएलटी ग्राउंड मे इप्टा के कलाकार द्वारा देर राति तक एक स बढि क एक लोकगीत, न्रत्य आ नाटक अद्भुत मंचन कायल गेल। कार्यक्रम मे सुरांगना पटना, इप्टा छपरा आ पुर्वी सांस्क्रतिक केन्द्र कोलकता क प्रस्तुति देख दर्शक मंत्र मुग्ध भ गेला। ये हमारा बिहार है इप्टा के प्रदेश महासचिव तनवीर अख्तरक परिक्पना आ सुरांगना पटनाक प्रस्तुति दर्शक के मनमोही लेलक अहिमे बिहार के गोरवशाली अतीत व वर्तमान वैभव के संग संग भविष्य के दर्शन न्रत्य के माध्यम स कराओल गेल। भोजपुरी नाटक बेटी वेचवा क प्रस्तुती देख लोक व्यतिथ भ गेला।अहि नाटक मे पैसा के लोभ लालच मे बेटी के वेमेल विवाह पर भोजपुरी शेक्सपीयर भीखारी ठाकुर के दर्द साफ झलकि रहल छल।

मजबुत अछि मिथिलाक इतिहास :-ताराकान्त झा


मिथिलाक इतिहास काफी मजबूत अछि आ दुनीयाक कोनो ताकत एकरा भारतीय साहित्य के इतिहास स अलग नही क सकैत अछि उक्त बात दरभंगा मे शनिदिन डा. नागेन्द्र झा स्टेडियम मे पर्यटन विभाग आ स्थानीय प्रशासन के तरफ स आयोजित दु दिवसीय मिथिला लोक उत्सव मे बतौर मुख्य अतिथि विधान पार्षद अध्यक्ष प. ताराकान्त झा कहलैन। ओ इहो कहलैन जे मिथिलाक संस्क्रति एक अपन एकटा अलग पहचान अछि आ एतय के लोक एकरा पहचानैत एकर रक्षा करु।

Saturday, November 26, 2011

मैथली भाषा अनुवाद पर पांच दिवसीय कार्यशाला आयोजित

जयनगर अनुमंडल मुख्यालय स्थित डीवी काँलेज मे विभिन्न भाषा के ग्रंध के मैथली अनुवाद विषय पर शुक्रदिन स पांच दिवसीय कार्यशाला प्रारंभ कायल गेल। कार्यशाला उद्घाटन स्थानीय विधायक अरुण शंकर प्रसाद केलनि।अनुवाद मिशन मैसुर के प्रतिनिधि डा. शंभु कुमार सिंह के नेत्रत्व आ डीवी काँलेज के प्राचार्य त्रिभुवन प्रसाद सिंह के अध्यक्षता मे आयोजित कार्यशाला के संवोधित करैत मुख्य अतिधि विधायक अरुण शंकर प्रसाद मैथली भाषा के महत्व पर प्रकाश देलनि। स्वागत भाषण वरिष्ट साहित्यकार कमलकान्त झा केलनि।

Friday, November 25, 2011

झंझारपुर के सांसद के सदस्यता रद्द

पटना हाईकोर्ट के न्यायमुर्ति वीएन सिन्हा झंझारपुर स सांसद मंगनीलाल मंडल के चुनाव रद्द क देलाइथ। झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र के मतदाता श्री विष्णुदेव भंडारी 2009 के चुनाव याचिका दाखिल क श्री मंडल के चुनाव के चुनौती देने रहथिन। इलेक्शन पेटिशन मे कहल गेल छल कि " रिप्रजेंटेशन आफ पीपुल एक्ट "के तहत जे व्यक्ति चुनाव मे उम्मीदवार होइत अछि ओकरा हलफनामा मे अपन वारे मे शिक्षा, आपराधिक मुकदमा, सम्पति आ कर्ज के जानकारी देव पङैत छै आ बच्चा आ पत्नी के सम्पति आ कर्ज के सेहो लेकिन मंगनीलाल मंडल अपन दोसर पत्नी के जानकारी अहि मे नही देने रहथिन।

मधुबनी मे हिजबुल मुजाहिदीन के दु आतंकवादी गिरफ्तार

शहर के लेहरियागंज स्थित एक घर आ सकरी पेट्रोल पंप स आई सुबह साढे दस बजे दु टा आतंकवादी युवक के गिरफ्तार केलक अछि। दुनु के संबंध इंडियन मुजाहिदीन स बतायल जा रहल अछि। चर्चा अछि जे अहि दुनु युवक के तार दिल्ली हाईर्कोट व्लास्ट स जुङल अछि मुदा अखनि धरि एकर आधिकारिक पुष्टी नही भेला। मधुबनी नगर थाना मे दिल्ली आ पटना स आयल आइबी टीम एकरा दुनु स पुछताछ केलक मुदा मधुबनी आवै के कारण आ एकर नाम अखनि धरि पता नहि चलल अछि। दुनु आतंकी के गिरफ्तार खुफिया सुचनाक आधार पर भेला।

मधुबनी मे इंडियन मुजाहिदीन के दु आतंकवादी गिरफ्तार

Thursday, November 24, 2011

26 आ 27 दरभंगा मे रहत मिथिला उत्सव के धुम

दरभंगा स्थित नागेन्द्र झा स्टेडियम मे 26 व 27 नवंबर क मिथिला लोक कला के आयोजन कायल जा रहल अछि। अहिमे मिथिला पेंटिंग पर आधारित पेंटिंग प्रतियोगीता, प्रदर्शनी क्रिकेट मैच, आर्थिक सांस्क्रितिक व शैक्षणिक गतिविधि पर आधारित पर्दशनी आ टेली फिल्म मुख्य आकर्षण के केन्द्र रहत।उत्सव के लेल स्टेडियम मे 100 स्टाँल बनायल जा रहल अछि जाहिमे मधुबनी, दरभंगा आ समस्तीपुर जिला मे चलि रहल विभिन्न विकास कार्य के पर्दशनी लगाओल जायत। लोक उत्सव मे मिथिलाक पान-मखान के स्टाँल सेहो रहत।अहि उत्सव के अवसर पर जिला के विभिन्न पर्यटन स्थल, आध्यात्मिक आ धार्मिक स्थल पर आधारित टेलीफिल्म प्राईड आफ मिथिलाक सेहो पर्दशन होयत। अहि अवसर पर स्थानीय नेहरु स्टेडियम मे नागरिक एकादश बनाम एयरर्फोस एकादश के बीच पर्दशनी मैच सेहो खेलल जायत।

दरभंगा मे शुरु भेल नगर बस सेवा


30 सालक लंबा इंतजारक बाद दरभंगा के लोग एकवेर फेर नगर बस सेवा के लाभ उठेता।सुबे के परिवहन मंत्री व्रषण पटेल आई दरभंगा मे हरि झंडा देखा क नगर बस सेवा प्रारंभ केलनि। अहि मौका पर विधान पार्षद विनोद चौधरी, विधायक संजय सरावगी आदि उपस्थित छला। दरभंगा स सकरी, बहेरी, सिमरी आ दरभंगा शहर तक इ सेवा रहत। किराया आँटो के किराया स कम रहत। शुरुवात मे हाथ देखा क बस रोकि सकैत छी मुदा जल्द विभिन्न जगह स्टाँप बनत।

30 सालक लंबा इंतजारक बाद दरभंगा के लोग एकवेर फेर नगर बस सेवा के लाभ उठेता।सुबे के परिवहन मंत्री व्रषण पटेल आई दरभंगा मे हरि झंडा देखा क नगर बस सेवा के प्रारंभ केलनि।

Monday, November 21, 2011

मिथिला राज्यक कोनो औचित्य नहीः नितीश कुमार

नीतिश कुमार एक तरफ छोट राज्य के समर्थन क रहल छाईथ त बिहार मे मिथिला राज्यक मांग पर बजैत कहला जे मिथिला राज्यक मांग के कोनो औचित्य नही अछि। हुनक इ बयान एकराजनेता आ मुख्यमंत्री के नाते कोनो आश्चर्य जनक नहि अछी। हुनका स दु डेग आंगा बढैत बिहार के पुर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र कहलैन जे अलग मिथिला राज्य बनब आत्मघाती होयत आ अहि स बिहारक विकास रुकि जायत।

मिथिलांचल के विना बिहारक पहचान अधुरा

सुबे के सरकार के द्वारा चयनित राज्यगीत मे मिथिला के उल्लेख नही भेलाक कारण मिथिलांचल के लोक मे काफी गुस्सा छनि। मिथिलाक इतिहास काफी पुरान आ सम्रद्ध अछि।मिथिलाक सभ्यता बुद्ध आ महावीर स बेसी पुरान अछि। एतय के समन्वयशीलता कोमल संस्क्रति ककरो अभिभूत कए लएत अछि। अहि ठामक लोक के कहनाम अछि जे बिहार के पहचान मिथिलाक विना अधुरा अछि। मिथिलाक इ धरती गौतम, विश्वामित्र सन महान योगी, जगत जननी माँ सीता , महाकवि विद्यापति, मंडन, अयाजी, कालिदास जेहेन महान विभुती के जन्म देने अछि। मिथिला पेंटिंग बिहार के अंतराष्ट्रीय पहचान दिएलक अछि। एतेक गौरवमयी इतिहास के कात राखि क बिहारक राज्यगीत कोना पुर्ण भए सकैत अछि।

मिथिलांचल के बिना बिहारक पहचान अधुरा

Sunday, November 20, 2011

अलग मिथिला राज्यक मांग के लेल संघर्ष तेज

अलग मिथिला राज्य के मांग के उदेश्य स मिथिला राज्य संघर्ष समिति 22 तारिख मंगलदिन दिल्ली के जंतर मंतर पर पर्दशन करत।संस्था के अध्यक्ष बैधनाथ चौधरी "बैजु" जी कहलनि जे जंतर मंतर स हम सब सांसद तक पैदल मार्च करब आ ओतय अपन मांग राखब। मिथिला का आपरेटिव के राकेश शर्मा कहलनि जे 22 तारिख स सांसद के शीतकालिन सत्र शुरु अछि आ अहि दिन हमसब अपन मांग सांसद लग राखब। मिथिला राज्यक मांग कोनो नव नहि अछि पिछला 57 साल स मिथिला अलग राज्य के मांग चलि रहल अछि मुदा आब अहि संघर्ष के तेज करैक आवश्यकता अछि इ बात काँमरेड अमरेन्द्र झा कहलनि।

अलग मिथिला राज्य के लेल संघर्ष तेज

Saturday, November 19, 2011

मिथिला क रामलीला मे लोक संस्क्रतिक रंग


मैथिली लोक कला मे किर्तनिया नाच के अपन एकटा अलग इतिहास अछि। ई शैली म्रत प्राय भ गेल छल मुदा मिथिलांचल के विभिन्न महापुरुष मोदलता, स्नेहलता, प्रेमलता, कनकलता,सीताराम शरण आदि श्री राम विवाह के माध्यम स अहि शैली के पुनर्जीवित रखलनि।अहि क्रम मे श्री सीताराम विवाह मंडली (मधुबनी) के स्थापना भेल जकर ख्याती पुरा भारत आ नेपाल मे अछि। बुद्ध दिन पटना के भारतीय न्रत्य कला मंदिर मे ई मंडली रामलीला के लाजवाब मंचन केलक। अहि मे मिथिला के लोक संस्क्रति के पुरा झलक देखई लेल भेटल।

Friday, November 18, 2011

मिथिला राज्य के मांग आवश्यक

मधुबनी, अंतराष्ट्रीय मैथिली परिषद के झारखंड प्रदेश महासचिव नगीना प्रसाद महतो अहि दिन मधुबनी के विभिन्न गांव के दौरा क रहल छाईथ आ लोग के मिथिला राज्य के मांग के प्रति जागरुकता बढा रहल छाईथ।वर्तमान सरकार पर आरोप लगावैत ओ कहैत छाईथ जे वर्तमान सरकार के उदासीनताक कारण मिथिला के उधोग धंधा बंद भ गेल आ अहि क्षेत्र के लोग रोजी रोटी के लेल अलग राज्य मे जाई लेल मजबुर छाईथ। ओ कहलनि जे हम सरकार मैथिली मे प्राथमिक शिक्षा के लेल लगातार गप्प क रहल छी। वर्तमान सरकार के उदासीनता क कारण मिथिला के साहित्यिक आ सांस्क्रितिक सेहो क्षति भेला। इ सब विकास संभव अछि मात्र अलग मिथिला राज्य भेला स। ओ लोग सब स इहो कहलनि जे मैथिली के प्रयोग वेसी स वेसी करु।

पांडुलिपी चोरी के सीबीआई जाँच के मांग

दरभंगाः- मिथिला संस्क्रत स्नाकोत्तर अध्यन आ शोध संस्थान कबङाघाट स 28 फरवरी 2003 क क्रमशः 26 आ 10 कुल 36 प्राचीन पांडुलिपी आ ग्रंध के चोरी के जाँच सीबीआई स कराबई के मांग मिथिला विकास मंच केलक अछि। बतादी जे अहि पांडुलिपी आ ग्रंध मे विद्यापति हस्तलिखित पांडुलिपी सेहो अछि। इ अतिदुर्लभ पांडुलिपी देश के अमुल्य धरोहर अछि।

Thursday, November 17, 2011

असुरक्षित अछि मधुबनी के हवाईअड्डा

नेपाल के सीमावर्ती क्षेत्र के नजदीक मधुबनी हवाईअड्डा मवेशी के चारगाह आ ड्राइविंग सीखई के जगह बनि गेल अछि। जिला प्रसाशन द्वारा अहि हवाईअड्डा के चाहरदीवारी स घेरई के व्यवस्था कायल गेल मुदा प्रवेश द्वार पर तालाब हुअ के कारण निर्माण अधुरा छोङि देल गेल।जहनि की बसुआरा पंचायत दिश स किएक ठाम खुजल रहै के कारण दिनभर अहि ठाम मवेशी चरैत रहैत अछि त स्थानीय लोग एकर उपयोग अनाज सुखा व आ तैयार करै मे करैत छाईथ।
चुनाव आ आपदा के समय मे अहि ठाम लगातार हवाईजहाज,सैनिक विमान आ हेलीकाँप्टर अवैत रहैत अछि। ओना आन दिन प्रसाशन एकर कोनो सुधि नही लैत अछि त अहि ठाम कोनो केयर टेकर सेहो नही नियुक्त कायल गेल अछि।

Wednesday, November 16, 2011

वीरान अछि मधुबनी के सरकारी बस अड्डा

मधुबनी जिला मुख्यालय स्थित गंगासागर पोखर पर सरकारी बस स्टेंड अहि दिन वीरान पङल अछि।दर्जन भरि स बेसी बस सरकारी उपेक्षा क कारण खराब पङल अछि। वर्तमान मे अहि ठाम स एकमात्र बस पटना के लेल खुलैत अछि। लोग के सस्ता आ सुलभ यात्रा के उद्देश्य स सुबे के तात्कालिक मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र 1981 उद्घाटन केने रहाईथ। शुरुवात मे अहि ठाम स पटना सहित ग्रामीण क्षेत्र के लेल बस चलैत छल मुदा लगातार सरकारी उदासीनताक कारण नहि कोनो नव बस चलल जेहो छल सेहो खराब भ गेल। वर्तमान समय मे इ बस अड्डा जुआरी आ नशेङी के अड्डा बनल अछि।
B.S.R.T.C पिछला किछ साल स बिहार के हर क्षेत्र स नव नव वोल्वो बस चलेलक अछि मुदा मधुबनी के अखनो इंतजार छै।

Tuesday, November 15, 2011

दरभंगा मे गुंजल उस्ताद कमल साबरी के सारंगी


दरभंगा के रामबाग किला स्थित महरानी आनंद किशोरी के महल मे जमाना बाद आई सारंगी के गुंज गुंज उठल। मौका छल स्पाइश मशी के द्वारा आयोजित कार्यक्रम अहि कार्यक्रम के उद्देश्य स्कुली बच्चा मे शास्त्रीय संगीत के प्रति रुचि बढेनाइ छल। भारत के सुप्रसिद्ध सारंगी वादक उस्ताद कमल साबरी व हुनक सहयोगी के द्वारा मिथिला मे पहिल बेर प्रस्तुत कार्यक्रम के श्रोता मंत्र मुग्ध भ क आनंद उठेला।
साभार :-शशि मोहन

18 तारिख क रिलीज होयत " मुखिया जी "


सजना के आंगन मे सोलह श्रंगार के सफल प्रदर्शन के बाद निर्माण मोशन पिक्चर्श के बैनर तले बनल मैथिली फिल्म " मुखिया जी " प्रदर्शित लेल तैयार अछि। निर्माता रुपेश मिश्रा आ विकास झा के प्रभावशाली संवाद आ निर्देशन मे बनल अहि फिल्म के सेंसर वोर्ड युनिवर्सल सर्टिफिकेट आ समाजिक फिल्म के दर्जा देलक अछि।समाज मे व्याप्त कुरिति, घुसखोङी आदि के अहि फिल्म मे व्यंगात्मक रुप मे चित्रण कायल गेल अछि।
18 तारिख क फिल्म शिवम(जयनगर) आ शंकर(सकरी) मे एक संग रिलीज होयत आ तकर अगिला सप्ताह ओर ठाम प्रदर्शित होयत। 18 तारिख क जयनगर मे 11 बजे स 2 बजे फिल्म के प्रिमियम शो मे दर्शक संग विशिष्ट पाहुन रहता।

" नव पल्लव " एकदिवसीय ट्रेनिंग के आयोजन केलक


" नव पल्लव " Inspiring talent Motivation Success. प्रवासी मैथिल के Skill devlopment के लेल काज क रहल इ संस्था बीतल रवि दिन दिल्ली के तिलक नगर मे एकदिवसीय Basic Communication skill devlopment Programe के आयोजन केलक। जाहि मे नलिन झा(मैनेजमेंट शिक्षक), संतोष झा(हाँर्वड विश्वविद्यालय) छात्र सब के स्कील कोना बढायल जाय तकर टिप्स देलखिन। अहि मौका पर संजय झा(रेलवे), दिलीप पाठक(G.M सौभाग्य मिथिला), गोपाल जी गोपाल(जे एन यु), भवन ठाकुर, अमरकान्त झा, क्रष्णा कुमार आदि उपस्थित छला। संस्था के लक्ष्य दिल्ली आयल मैथिल छात्र जिनका मे योग्यता त छियैन मुदा ओ अपन योग्यता के पर्दशन करै मे कतौ ने कतौ पाछा रहि जाई छाईथ संस्था ओहेन छात्र के फ्री मे समय समय पर ट्रेनिंग दैत रहत।
" नव पल्लव " Inspiring talent Motivation Success. प्रवासी मैथिल के Skill devlopment के लेल काज क रहल इ संस्था बीतल रवि दिन दिल्ली के तिलक नगर मे एकदिवसीय Basic Communication skill devlopment Programe के आयोजन केलक। जाहि मे नलिन झा(मैनेजमेंट शिक्षक), संतोष झा(हाँर्वड विश्वविद्यालय) छात्र सब के स्कील कोना बढायल जाय तकर टिप्स देलखिन। अहि मौका पर संजय झा(रेलवे), दिलीप पाठक(G.M सौभाग्य मिथिला), गोपाल जी गोपाल(जे एन यु), भवन ठाकुर, अमरकान्त झा, क्रष्णा कुमार आदि उपस्थित छला। संस्था के लक्ष्य दिल्ली आयल मैथिल छात्र जिनका मे योग्यता त छियैन मुदा ओ अपन योग्यता के पर्दशन करै मे कतौ ने कतौ पाछा रहि जाई छाईथ संस्था ओहेन छात्र के फ्री मे समय समय पर ट्रेनिंग दैत रहत।

Friday, November 11, 2011

कोशी महासेतु बनि क तैयार उद्घाटन अगिला महिना


77 साल पहिले आयल भुकंप जे मिथिला के दु भाग मे बांटी देने छल। कोशी नदी पर रेलमार्ग जे 1934 मे आयल भुकंप स टुट गेल छल आ जाहि कारण दुनु दिशक लोक एक दोसर स कटि गेल रहाइथ। मुदा 6 जुन 2006 क तात्कालिक प्रधानमंत्री अहि पुल के आधारशीला रखलाईथ आ 2007 मे गैनन इंडिया अहि पुल के निर्माण कार्य प्रारंभ केलक आ कुल 1.87 किमी लंबा अहि पुल के निर्माण मे 418 कङोङ के लागत लागल। गुजरात के पोरबंदर स असम के सिलचर तक एक सुत्र मे बांधई वला NH 57 फोर लेन सङक पर अवस्थित कोशी के अहि महासेतु के निर्माण स अहि क्षेत्र मे विकास के नव सबेरा सेहो आयत इ उम्मीद करी।

कोशी महासेतु बनि क तैयार उद्घाटन अगिला महिना

दिल्ली मे मनाओल गेल सामा चकेवा


दिल्ली के त्रिवेणी आँडिटोरियम काइल पुरा मिथिला रंग मे रंगल छल। मौका छल युथ आफ मिथिला आ माटी के संयुक्त आयोजन मे सामा चकेवा पर्व के। पुरा हाल महिला पुरुष स खचाखच भङल छल। महिला सब सामा गीक संग सामा पुजा केलनि आ चुरा गुङ दहि के प्रसाद सेहो बाटल गेल। अहि मौका पर दिल्ली प्रदेश भाजपा के अध्यक्ष पुनम झा आजाद, म्रदला सिन्हा आ अन्य गणमान्य व्यक्ति सेहो उपस्थित छला। मैलोरंग के महिला कलाकार द्वारा सामा गीत पर अद्भुत न्रत्य प्रस्तुत कायल गेल। आ रमेश रंजन आ सोनी झा द्वारा मैथली गीत प्रस्तुत कायल गेल।पुनम झा कहलनि जे अहि प्रोग्राम के ओर भव्य रुप स मनाओल जाई।

Tuesday, November 8, 2011

तीन दिवसीय विद्यापति पर्व समारोह शुरु भेल


चेतना समिति पटना द्वारा आयोजित विद्यापति समारोह जे कहियो पटना के हार्डिंग पार्क मे विशाल पंडाल मे होईत छल आ जकर इंतजार पटनावाशी के 6 महिना पहिले स रहैत छल 3 दिन तक पुरा पटना अहि रंग मे डुबल रहैत छल ओ विद्यापति समारोह आब एकटा हाल मे सिमित रहि गेला आ एकटा औपचारिकता निर्वाह क रहल अछि अहि स जुङल मात्र किछ दर्शक के अलावा लगभग नग्णय रहैत अछि।
तथापि चेतना समिति पटना द्वारा आई विद्यापति समारोह के पहिल दिन राज्यपाल एकर उद्घाटन कलैथ त पुर्व मुख्यमंत्री श्री जगन्नाथ मिश्र मुख्य अतिथि छलैथ। कार्यक्रम के दोसर सत्र मे रंजना झा द्वारा विद्यापति गीत आ कवि गोष्ठी के आयोजित सेहो कायल गेल।

सामा चकेवा पर्व राजधानी दिल्ली मेसामा चकेवा पर्व राजधानी दिल्ली मे


भले सामा चकेवा के गुंज मिथिलांचल के अंगना मे कम गुंजैत हुए. मुदा मिथिला के संस्क्रति आ संस्कार के महत्व के समझैत माटी आ युथ आफ मिथिला आगामी 10 नम्बर क दिल्ली के त्रिवेणी आँडिटेरियम, त्रिवेणी कला संगम, 205 तानसेन मार्ग मंडी हाउस, नई दिल्ली मे सामा चकेवा पर्व के आयोजन कय रहल अछि.
कार्यक्रम प्रारुप :- सामा पुजा(5:30) सामा न्रत्य(6:30) संगीत(7:30) सामा भशान 9 बजे.

सामा चकेवा पर्व राजधानी दिल्ली मेसामा चकेवा पर्व राजधानी दिल्ली मे

भले सामा चकेवा के गुंज मिथिलांचल के अंगना मे कम गुंजैत हुए. मुदा मिथिला के संस्क्रति आ संस्कार के महत्व के समझैत माटी आ युथ आफ मिथिला आगामी 10 नम्बर क दिल्ली के त्रिवेणी आँडिटेरियम, त्रिवेणी कला संगम, 205 तानसेन मार्ग मंडी हाउस, नई दिल्ली मे सामा चकेवा पर्व के आयोजन कय रहल अछि.
कार्यक्रम प्रारुप :- सामा पुजा(5:30) सामा न्रत्य(6:30) संगीत(7:30) सामा भशान 9 बजे.

Friday, November 4, 2011

प्रेम नगर किरारी दिल्ली में एक दिवसीय मिथिला बिभूति पर्व

मंगल दिन ८ नमम्बर क देल्ही क प्रेम नगर किरारी में एक दिवसीय मिथिला बिभूति पर्व के आयोजन भ रहल अछी. अहि कार्यक्रम के आयोजन अप्रवासिये बिहारी मैथिल समाज करा रहल अछी. देल्ही में इ संस्था बिहार आ मिथिला के संस्कृति पैराणिक धरोहर के संरक्षण के लेल लगातार कार्य का रहल अछी. अहि बेर इ कार्यक्रम मैथिलि कवि कोकिल विद्यापति के पुण्य तिथि पर मिथिला बिभूति पर्व के रूप में मनाओल जायत. कार्यक्रम में मूख्य अतिथि के रूप में स्थानीय विधायक श्री अनिल झा , वेस्ट देल्ही के संसद श्री महाबल मिश्रा , दरभंगा के संसद श्री कृति आजाद आदि रहता. मैथिलि के प्रसिद्ध गायक सुनील कुमार झा पवन , विकास झा , अंजलि आकृति झा , सोनी झा , कुमकुम मिश्रा आदि उपस्थित रह्तैथ. उक्त जानकारी संस्था के संस्थापक सुमन ठाकुर देलैन.

Thursday, November 3, 2011

मैथिली भाषा में रसायनशास्त्र के पुस्तक

रसायनशास्त्र के पुस्तक के मैथिली भाषा में तैयार कायल गेला. मैथिलि भाषा में तैयार कायल गेल इ पहिल राशायांशास्त्र के किताब अछी.अकार्बनिक गुणात्मक विश्लेषण नामक अहि पुस्तक के लेखक डा. प्रेम मोहन मिश्र छैथ जे दरभंगा के C.M.Science कालेज में रसायनशास्त्र के प्रोभेसर छैथ.आई दरभंगा के एमएलएसएम कालेज के सभा कक्ष में आर के मिश्रा अहि पुस्तक के लोकार्पण केलैथ. डा. प्रेम मोहन मिश्र रचित अहि पुस्तक के अन्तर - स्नातक ,स्नातक में अध्यनरत आ प्रतियोगिता परीक्षा क तैयारी क रहल छात्र सब के सिलेवश के केन्द्रित के क तैयार कायल गेल अछी.

शिक्षक पात्रता परीक्षा के तिथि में बदलाऊ भ सकैत अछी

प्रारंभिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीइटी) के तिथि में बदलाऊ भ सकैत अछी. करीब दर्जन भर जिला स परीक्षा केंद्र के सूची अखनि धरी नहीं आयल अछी . चार नवंबर क जिला शिक्षा पदाधिकारियों (डीइओ) के बैठक में टीइटी आ माध्यमिक-उच्चतर माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (एसटीइटी) के तैयारि के समीक्षा होयत.

अखनि टीइटी की तिथि तीन-चार दिसंबर क निर्धारित अछी. अहि तिथि के किछ और आगा बढावल जा सकैत अछि. परीक्षा केंद्रों के सूची तैयार का सब जिला के बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के भेजबाक अछी . परीक्षा केंद्र के सूची के अंतिम रूप देलाक बाद अहि लिस्ट के राज्य शिक्षा शोध एवं प्रशिक्षण परिषद के सौपल जायत. अहि के बाद परिषद एडमिट कार्ड तैयार करत.

तकर बाद एडमिट कार्ड के वितरण होयत. एसटीइटी के तिथि पर अखन कोनो निर्णय नहीं लेल गेल अछी. हालांकि, मानव संसाधन विकास मंत्री पीके शाही स्पष्ट कर चुकल छैथ कि एसटीइटी जनवरी, 2012 में होयत. दुनु परीक्षा में 60 फीसदी अंक लावा वाला छात्र उत्तीर्ण मानल जायत.

अनुसूचित जाति, अनुसूचित जन जाति, महिला व निशक्त कोटि के अभ्यर्थियों के पांच फीसदी के छुट देल जायत. दुनु परीक्षाओं के रिजल्ट प्रकाशन क बाद शिक्षक नियुक्ति के प्रक्रिया शुरू होयत. टीइटी व एसटीइटी में उत्तीर्ण व्यक्ति केवल संबंधित शिक्षक नियुक्ति प्रक्रिया में शामिल हो भ सकैत अछी.

Wednesday, November 2, 2011

सामा-चकेवा आइ अपन वजूदक लेल संघर्ष कए रहल अछि


भाई-बहिन क पवित्र प्रेम क प्रतीक पर्व सामा-चकेवा आइ अपन वजूदक लेल संघर्ष कए रहल अछि। ओना मिथिलाक किछु भाग मे एखनो लोकगीत स गुंजायमान एहि पर्वक महत्व कायम अछि। छठिक राति स कार्तिक पूर्णिमा तक बहिन क कंठ स निकलैत स्वर लहरी कान मे मधु टपकाबैत अछि। राति कए बहिन सामा-चकेवा क मूर्ति क संग-संग वृंदावन, चुगला आदि स भरल डाला ले कए सामूहिक रूप स जोतल खेत, खलिहान, चौक-चौराहा पर जुटय लगैत छथि। छोट-छोट नैना क संग-संग बूढिय़ा बहिन तक एहि मे हिस्सा लैत छथि। एहि दौरान बहिन ‘गाम कए अधिकारी तोहें बड़का भैया हो, हाथ दस पोखरि खुना दिए, चंपा फुल लगा दिए हे…Ó आदि गीत क संग सामा-चकेवा क मूर्ति एक-दूसर क हाथ मे दकए पहिने अपन-अपन भाईक दीर्घ आयुक कामना करैत छथि। एहि पर्वक खास गप ई सेहो अछि जे एकर गीत मे पर्यावरण संरक्षण क संदेश सेहो देल जाइत अछि। कार्तिक पूर्णिमाक राति बहिन सामा-चकेवा क मूर्ति क संग-संग वृंदावन, चुगला आदि स भरल डाला ले कए जोतल खेत मे जमा होइत छथि। ओहि ठाम सबस पहिने शिरिक आदान-प्रदान होइत अछि। एहि प्रक्रियाक संबंध मे कहल जाइत अछि जे जतेक बहिन स शिरिक आदान-प्रदान करब भाइक बैस ओतेक बढ़त। ताहि लेल बहिन सब टोल-मोहल्लाक एकोटा मौगि स शिरिक आदन-प्रदान करब नहि बिसरैत छथि। एहि दौरान साउस-पुतहु व ननदि-भाउज एक-दोसरा स शिरिक आदान-प्रदान करैत गाउल गीत मे अपन सबटा भाईक नाम एक-एक कए लइत जाइत छथि। फेर प्रतीक रूप म वृंदावन मे आगि लगा कए ओहि मे चुगला कए जड़ा कए गबैत छथि,’वृंदावन मे आगि लागल कियो नहि मिझाबे हे, हमर बड़का-छोटका भईया मिलकए मिझाउत हे।Óबहिन चूड़कक पुतला क मुंह झुलसा कए खराब चरित्र क प्रति विरोध दर्ज कैत ओकरा लेल अपशकुन क कामना करैत छथि। फेर पिछला 15 दिन मे बनाउल एक-एक टा सामा-चकेवा क मूर्ति कए लग कए घर दिस विदा भ जाइत छथि। मुदा भाग्य चक्र स बिमुख दू टा मैना, जेकरा बाटो-बहिन कहल जाइत अछि, तेकरा बाट पर छोडि़ दैत छथि। घर पहुंचला पर भाई स सामा-चकेवा क सबटा मूर्ति तुड़वा लैत छथि। एना खत्म होइत अछि सामा-चकेबाक शापित काल।
के छलीह सामा
ई लोकपर्व पद्म पुराण मे वर्णित भगवान श्रीकृष्ण क पुत्री साम्बवती व पुत्र साम्ब क पवित्र प्रेम पर आधारित अछि। चुड़क नामक एकटा चुगला श्रीकृष्ण लग चुगलि करैत अछि जे हुनक पुत्री साम्बवती वृंदावन जाइत काल ऋ षि क संग रमण मे लागल छथि। चूड़कक मुख सई सुन क्रोधित भ श्रीकृष्ण पुत्री आ ऋषि दूनू के मैना बनि जेबाक शाप द देलथि। साम्बवती क वियोग मे ओकर वर चक्रवाक (चकेबा)सेहो मैनाक रूप धारण करि लैत अछि। साम्बवतीक भाई साम्ब जखन इ सुनलक त तपस्या करि पिता श्रीकृष्ण कए प्रसन्न करैत अछि आ बहिन-बहनोई कए शाप स मुक्त करैत अछि। ओहि दिन स मिथिला मे सामा-चकेवा पर्व छठिक पारण क राति स कार्तिक पूर्णिमा तक मनाउल जाइत अछि।
साभार:- झा विपिन

डिग्री पार्ट टू के परीक्षाफल नहीं प्रकाशित कायल गेला

परीक्षा के चार महिना बीत गेला क बाबजूद अखनी धरी डिग्री पार्ट टू के परीक्षाफल मिथिला विश्वविद्यालय के द्वारा नहीं प्रकाशित कायल गेला जाही कारण परीक्षार्थि सब के परेशानी बढ़ी गेला । एहेन बहुत छात्र छैथ जे डिग्री पार्ट थ्री के परीक्षा में त उत्तीर्ण छैथ लेकिन डिग्री पार्ट टू के परीक्षा के रिजल्ट प्रकाशित नै भेलाक कारण हुनकर परीक्षाफल लंबित छैन। लंबित परीक्षाफल वाला क्षेत्र के संख्या सैकड़ों में छैन। मिथिला विश्वविद्यालय कतेको छात्र के डिग्री पार्ट वन की परीक्षा के मा‌र्क्स नहीं रहलाक कारण डिग्री पार्ट थ्री के परीक्षाफल लंबित छैन। मिथिला विश्वविद्यालय के लेल इ कोनो नव गप्प नहीं अछी ३ साल के डिग्री ५ साल में इ विश्वविद्यालय देत अछीमिथिला विश्वविद्यालय में शैक्षणिक सुधारक लेल कतेको प्रयास कायल गेला मुदा अखनी धरी कोनो ठोस परिणाम नहीं निकलल अछी। जाही कारण अहि विश्वविद्यालय के छात्र सब के कतेको परेशानी के सामना करा परैत छैन

'भारत में अछि दुनिया के सबस बेसी ग़रीब'

संयुक्त राष्ट्र विकास कार्यक्रम (यूएनडीपी) द्वारा जारी केल गेल मानव विकास रिपोर्ट के मुताबिक़ दुनिया के सबस पैघ लोकतंत्र, भारत में, दुनिया के सबस ज़्यादा बहुआयामी ग़रीब रहित अछी.

भारत में 61 करोड़ लोग ग़रीब अछी, जे कि देश की आधी आबादी स बेसी अछी .

रिपोर्ट में गरीब के मूल्यांकनक लेल आय के अलावा स्वास्थ्य, शिक्षा जीवन स्तर के तरजीह देल गेल.

रिपोर्ट के मुताबिक बहुआयामी ग़रीबों की संख्या निकालने वाला इ सूचकांक एक समुचित-सटीक तस्वीर पेश करैत अछी जे कि खली आय के मानक मानी का संभव नहीं अछी .

अहि सूचकांक के मुताबिक़ दुनिया के दस सबस ग़रीब देश त सहारा अफ़्रीका में अछी , लेकिन अगर कोनो एक देश के कुल संख्या के बात कायल जाए त दुनिया क सबस ज़्यादा ग़रीब दक्षिण एशियाई देश (भारत, पाकिस्तान आ बांग्लादेश) में रहैत अछी .

सरकार देश में ग़रीबक संख्या आँके के लेल कतेक तरीका अपनेलग आ सरकार मानैत अछी कि देश में सिर्फ एक-तिहाई जनता ग़रीबी रेखा के निचा रहैत अछी .

वर्ष 2011 में अखन तक के सबसे ज़्यादा 187 देश के श्रेणीबद्ध कल गेल जाही में भारत 134वें पायदान पर अछी.

चीन, 101वें पायदान पर आ पाकिस्तान 145वें पायदान पर अछी.

नार्वे, ऑस्ट्रेलिया और नीदरलैंड सूची में सबस ऊपर , अमरीका चौथे जापान 12वें नंबर पर अछि.

1980 स 2011 के समयावधि में दक्षिण एशिया के कतेक देश के तरह भारत के मानव विकास के सेहो बदहाल अछी .

यूएनडीपी में भारत की निदेशक केटलिन वीसेन के मुताबिक, “हमरा भारत में औद्योगिक विकास के कार्यक्रमों पर व्यापक अध्ययन क इ सुनिश्चित कर परत कि अहि के सतत विकास होयत रहे आ वो विकास ग़रीब लोगों के लेल सेहो हुआ.”

Sabhar: BBC Hindi

अखन तक प्रदर्शित मैथिली फिल्म

मैथिली फिल्म के इतिहाश में बरका पर्दा पर अखन तक प्रदर्शित फिल्म
वर्ष १९९९ के अंत मैथिली फिल्म के स्वर्णिम काल
मैथिली फिल्म के आधुनिक स्वरूप मुखिया जी प्रदर्शन के करिव
कन्यादान .......................................१९७१
जय बाबा बैधनाथ .............................१९७३
ममता गाबे गीत ..............................१९८२
सस्ता जिन्दगी महंग सेनुर ................१९९९
आऊ पिया हमर नगरी .......................२०००
सेनुरक लाज ....................................२००४
कखन हरब दुःख मोर ........................२००५
दुलरवा बाबु .....................................२००६
सेंदुरदान..........................................२००८
सेनुरया{साउथ के मथिली में रूपांतरण} ..२०१०
अपन गाम अपन लोग [अ प्रदर्शित}.........२०१०
पिया संग प्रीत करब कोना ...................२०१०
सजना के अंगना में सोलह सिगार .........२०११
मुखिया जी {कमिग सुन}......................२०११

साभार:-शशि मोहन दरभंगा

Tuesday, November 1, 2011

कोसी में विलुप्त भ रहल अछी दुर्लभ जीव व वनस्पति

निकटवर्ती देश नेपाल स निकलक सहरसा, सुपौल आ मधेपुरा जिला में तबाही मचाव वाली कोसी नदी के बाढ़ नहीं सिर्फ अहि इलाके के आर्थिक धरोहर व सामाजिक संरचना के बिगाड़ का अछि बल्कि आब अहि क्षेत्र में पर्यावरण संतुलन को बनावे वाला जीव व वनस्पति सेहो विलुप्त भ रहल अछी हैं। कोसी नदी के अनवरत धारा बदले, मिट्टी के कटाव आ हर साल बालू की मात्रा बढई स प्राकृतिक इकोसिस्टम नष्ट भ रहल अछि अहि कारण पहिलहे कतेक जीव-जंतु आ मछलियां भ गेल अछी।

वनस्पति विज्ञान के प्राध्यापक डा. अंजनी सिन्हा कहैत छैथ की अहि इलाका में औषधीय महत्व के सैकड़ों वनस्पति पायल जीत चल । शक्तिव‌र्द्धक महत्व वाला अश्वगंधा, ब्रेन टानिक के रूप में इस्तेमाल होवा वाला ब्रम्ही, उच्च रक्त चाप कम करे वाला सर्पगंधा, प्रसूति टानिक सतावर, काली खांसी आ श्वास रोग के इलाज में उपयोग होवा वाला गिलोय, रक्त व‌र्द्धक पुनर्नवा, कैंसर रोधी सदाबहार, गठियारोधी सुरंजन, गर्भ निरोधक कपास, आँख के पुतली प्रसारक बैलाडोना आ चर्मरोग के इलाज में प्रयुक्त होवा वाला घी कंवार जेहेन वनस्पित जे इंसानों क जीवनक आधार होइत छल,अहि ठाम खूब भेटैत छल। अहि क लेल दूर दूर स लोक सब अहि ठाम आबैत छलैथ, परंतु आब इ जड़ी- बूटियां खोजलो स नै भेटैत अछी । वनस्पति आ जीव विज्ञान के जानकार के मानव छैन कि अहि वनस्पतियों के कम भेला स अहिपर आश्रित जीव प्रजातियों के संख्या सेहो घटल अछी। बर्बाद भेल वनस्पितयों के कारण ओही पर आश्रित जंगली सुअर, नीलगाय, खिखिर, नकार, शाही आ खरगोश लुप्तप्राय भ चुकल अछी।

अहि क्षेत्र में 122 किस्म के मछलि पायल जाय छल । परंतु हर वर्ष आवे वाला बाढ़ कंडवाल, फोकचा, राजवाम, सुसुक कंचल, लाल कतरा, सुही चंदा, केसिरा चंदा, सावन खड़िका, ठुनका, पतासी, गुथल नगरा, कोसवती, अन्नाई सन मछलि के सेहो अपना संग वाहा का ला गेल। इ सब नाम मात्र एक टा खिस्सा बनी का रही गेल अछी। अगर एतय बचल जीव और वनस्पतियों के संरक्षण प्रदान नहीं कल गेल त आबे बाला समय में इ मात्र इतिहास के एक टा वास्तु रही जायत।

KBC-5 में एक और बिहारी करोड़पति


देश के सबस पैघ रियलिटी शो कौन बनेगा करोरपति में बिहारी टेलेंट अपन पूरा टेलेंट देखा रहल अछी! कौन बनेगा करोरपति सीजन ५ के हॉट सीट पर अमिताभ बच्चन के संग कियक टा बिहारी अहि बेर अपन टेलेंट के परचम लहरेला हां! KBC सीजन ५ में पेशा स शिक्षक मोतिहारी के सुनील कुमार ५ करोड़ जीत क नहीं खली एक टा इतिहास रचला बल्कि एहो साबित क देला जे टेलेंट के जतय गप्प हेतई ओत बिहारी सबस आगा रहत! बिहारक टेलेंट बिहार के गाँव में बासित छाई आ अहि के पूर्ण रूप स साबित काया देला यूनियन बैंक आफ इंडिया में कार्यरत पटना के अनिल कुमार सिन्हा! अनिल कुमार सिन्हा KBC में अपन पूरा टेलेंट के देखबैत १ करोड़ रूपया जीतला! अहि स पहिले KBC-5 में मधुबनी के सरोज देवी आ शेष नाथ झा सेहो अहि प्रोग्राम में अपन उपस्थिति दर्ज करेने छैथ!