"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, November 16, 2011

वीरान अछि मधुबनी के सरकारी बस अड्डा

मधुबनी जिला मुख्यालय स्थित गंगासागर पोखर पर सरकारी बस स्टेंड अहि दिन वीरान पङल अछि।दर्जन भरि स बेसी बस सरकारी उपेक्षा क कारण खराब पङल अछि। वर्तमान मे अहि ठाम स एकमात्र बस पटना के लेल खुलैत अछि। लोग के सस्ता आ सुलभ यात्रा के उद्देश्य स सुबे के तात्कालिक मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र 1981 उद्घाटन केने रहाईथ। शुरुवात मे अहि ठाम स पटना सहित ग्रामीण क्षेत्र के लेल बस चलैत छल मुदा लगातार सरकारी उदासीनताक कारण नहि कोनो नव बस चलल जेहो छल सेहो खराब भ गेल। वर्तमान समय मे इ बस अड्डा जुआरी आ नशेङी के अड्डा बनल अछि।
B.S.R.T.C पिछला किछ साल स बिहार के हर क्षेत्र स नव नव वोल्वो बस चलेलक अछि मुदा मधुबनी के अखनो इंतजार छै।

No comments: