"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, November 18, 2011

मिथिला राज्य के मांग आवश्यक

मधुबनी, अंतराष्ट्रीय मैथिली परिषद के झारखंड प्रदेश महासचिव नगीना प्रसाद महतो अहि दिन मधुबनी के विभिन्न गांव के दौरा क रहल छाईथ आ लोग के मिथिला राज्य के मांग के प्रति जागरुकता बढा रहल छाईथ।वर्तमान सरकार पर आरोप लगावैत ओ कहैत छाईथ जे वर्तमान सरकार के उदासीनताक कारण मिथिला के उधोग धंधा बंद भ गेल आ अहि क्षेत्र के लोग रोजी रोटी के लेल अलग राज्य मे जाई लेल मजबुर छाईथ। ओ कहलनि जे हम सरकार मैथिली मे प्राथमिक शिक्षा के लेल लगातार गप्प क रहल छी। वर्तमान सरकार के उदासीनता क कारण मिथिला के साहित्यिक आ सांस्क्रितिक सेहो क्षति भेला। इ सब विकास संभव अछि मात्र अलग मिथिला राज्य भेला स। ओ लोग सब स इहो कहलनि जे मैथिली के प्रयोग वेसी स वेसी करु।

No comments: