"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, November 25, 2011

झंझारपुर के सांसद के सदस्यता रद्द

पटना हाईकोर्ट के न्यायमुर्ति वीएन सिन्हा झंझारपुर स सांसद मंगनीलाल मंडल के चुनाव रद्द क देलाइथ। झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र के मतदाता श्री विष्णुदेव भंडारी 2009 के चुनाव याचिका दाखिल क श्री मंडल के चुनाव के चुनौती देने रहथिन। इलेक्शन पेटिशन मे कहल गेल छल कि " रिप्रजेंटेशन आफ पीपुल एक्ट "के तहत जे व्यक्ति चुनाव मे उम्मीदवार होइत अछि ओकरा हलफनामा मे अपन वारे मे शिक्षा, आपराधिक मुकदमा, सम्पति आ कर्ज के जानकारी देव पङैत छै आ बच्चा आ पत्नी के सम्पति आ कर्ज के सेहो लेकिन मंगनीलाल मंडल अपन दोसर पत्नी के जानकारी अहि मे नही देने रहथिन।

No comments: