"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, November 21, 2011

मिथिलांचल के विना बिहारक पहचान अधुरा

सुबे के सरकार के द्वारा चयनित राज्यगीत मे मिथिला के उल्लेख नही भेलाक कारण मिथिलांचल के लोक मे काफी गुस्सा छनि। मिथिलाक इतिहास काफी पुरान आ सम्रद्ध अछि।मिथिलाक सभ्यता बुद्ध आ महावीर स बेसी पुरान अछि। एतय के समन्वयशीलता कोमल संस्क्रति ककरो अभिभूत कए लएत अछि। अहि ठामक लोक के कहनाम अछि जे बिहार के पहचान मिथिलाक विना अधुरा अछि। मिथिलाक इ धरती गौतम, विश्वामित्र सन महान योगी, जगत जननी माँ सीता , महाकवि विद्यापति, मंडन, अयाजी, कालिदास जेहेन महान विभुती के जन्म देने अछि। मिथिला पेंटिंग बिहार के अंतराष्ट्रीय पहचान दिएलक अछि। एतेक गौरवमयी इतिहास के कात राखि क बिहारक राज्यगीत कोना पुर्ण भए सकैत अछि।

No comments: