"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, November 20, 2011

अलग मिथिला राज्यक मांग के लेल संघर्ष तेज

अलग मिथिला राज्य के मांग के उदेश्य स मिथिला राज्य संघर्ष समिति 22 तारिख मंगलदिन दिल्ली के जंतर मंतर पर पर्दशन करत।संस्था के अध्यक्ष बैधनाथ चौधरी "बैजु" जी कहलनि जे जंतर मंतर स हम सब सांसद तक पैदल मार्च करब आ ओतय अपन मांग राखब। मिथिला का आपरेटिव के राकेश शर्मा कहलनि जे 22 तारिख स सांसद के शीतकालिन सत्र शुरु अछि आ अहि दिन हमसब अपन मांग सांसद लग राखब। मिथिला राज्यक मांग कोनो नव नहि अछि पिछला 57 साल स मिथिला अलग राज्य के मांग चलि रहल अछि मुदा आब अहि संघर्ष के तेज करैक आवश्यकता अछि इ बात काँमरेड अमरेन्द्र झा कहलनि।

No comments: