"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, November 24, 2011

26 आ 27 दरभंगा मे रहत मिथिला उत्सव के धुम

दरभंगा स्थित नागेन्द्र झा स्टेडियम मे 26 व 27 नवंबर क मिथिला लोक कला के आयोजन कायल जा रहल अछि। अहिमे मिथिला पेंटिंग पर आधारित पेंटिंग प्रतियोगीता, प्रदर्शनी क्रिकेट मैच, आर्थिक सांस्क्रितिक व शैक्षणिक गतिविधि पर आधारित पर्दशनी आ टेली फिल्म मुख्य आकर्षण के केन्द्र रहत।उत्सव के लेल स्टेडियम मे 100 स्टाँल बनायल जा रहल अछि जाहिमे मधुबनी, दरभंगा आ समस्तीपुर जिला मे चलि रहल विभिन्न विकास कार्य के पर्दशनी लगाओल जायत। लोक उत्सव मे मिथिलाक पान-मखान के स्टाँल सेहो रहत।अहि उत्सव के अवसर पर जिला के विभिन्न पर्यटन स्थल, आध्यात्मिक आ धार्मिक स्थल पर आधारित टेलीफिल्म प्राईड आफ मिथिलाक सेहो पर्दशन होयत। अहि अवसर पर स्थानीय नेहरु स्टेडियम मे नागरिक एकादश बनाम एयरर्फोस एकादश के बीच पर्दशनी मैच सेहो खेलल जायत।

No comments: