"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, November 17, 2011

असुरक्षित अछि मधुबनी के हवाईअड्डा

नेपाल के सीमावर्ती क्षेत्र के नजदीक मधुबनी हवाईअड्डा मवेशी के चारगाह आ ड्राइविंग सीखई के जगह बनि गेल अछि। जिला प्रसाशन द्वारा अहि हवाईअड्डा के चाहरदीवारी स घेरई के व्यवस्था कायल गेल मुदा प्रवेश द्वार पर तालाब हुअ के कारण निर्माण अधुरा छोङि देल गेल।जहनि की बसुआरा पंचायत दिश स किएक ठाम खुजल रहै के कारण दिनभर अहि ठाम मवेशी चरैत रहैत अछि त स्थानीय लोग एकर उपयोग अनाज सुखा व आ तैयार करै मे करैत छाईथ।
चुनाव आ आपदा के समय मे अहि ठाम लगातार हवाईजहाज,सैनिक विमान आ हेलीकाँप्टर अवैत रहैत अछि। ओना आन दिन प्रसाशन एकर कोनो सुधि नही लैत अछि त अहि ठाम कोनो केयर टेकर सेहो नही नियुक्त कायल गेल अछि।

No comments: