"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, July 25, 2008

झा कॆ हिन्दी मॆ शपथ लय‌ पर हंगामा

नॆपालक पहिल उपराष्ट्रपति श्री परमानन्द झा शपथ ग्रहण कॆ संगहि विवाद मॆ फसि गॆला हॆ! कारण झा कॆ हिंदी मॆ शपथ लॆनाय नॆपाली जनता कॆ नहि नीक लगलैन आ हुनक विरॊध नॆपाल कॆ सङक पर आबि गॆल! जहनि नॆपालक राष्ट्रपति राम वरन यादव हुनका शपथ दिया रहल छलखिन त ऒ नॆपाली कॆ वजाय हिंदी मॆ शपथ लॆलखिन! उम्हर मधॆशी सब सॆहॊ हुनक अहि हिंदी प्रॆमी कॆ विरॊध क रहल छथिन हुनका लॊकिन कॆ कहनाय छियनि जॆ श्री झा अपन मात् भाषा मैथिली मॆ शपथ नहि लक दॆश कॆ संस्क्रति आ राष्ट्रहित कॆ अनदॆखी कॆलखिन हॆ! जहनि कि माऒवादि सब ई प्रशन क रहल छथिन जॆ झा नॆपाली या हिन्दुस्तानी? नॆपाली जनता सब कॆ हुनक पॊशाक पर सॆहॊ आपत्ति छियनि हुनका लॊकिन कॆ कहनाम छियनि जॆ धॊति कुरता भारतिय पॊशाक अछि!

भारत दिश मिथिलांचल मॆ नॆपाल कॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति कॆ निर्वाचन ल क जब्बरदस्त खुशी अछि! कारण नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु मैथिल छिया! सहरसा कॆ संस्कृति मिथिला एकटा शिष्टमंडल कॆ गठन कॆलनि हॆ जॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु गॊटॆ कॆ जा क सम्मान दॆथिन!

1 comment:

Gajendra said...

शुभकामना, सोनूजी।