"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, July 21, 2008

राम वरन यादव‌ यादव नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति

पिछला किछु दिन स भारत आ नॆपाल दुनु दॆश मॆ जबरदस्त राजनिति उठा पटक चलि रहल अछि! नॆपाल कॆ राजनिति मॆ आई एकटा विराम लागल नॆपाली कांग्रॆस कॆ उम्मीदवार राम वरन यादव‌ नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति कॆ रुप मॆ अहिपद कॆ सुशॊभित करताह! नॆपाली कांग्रॆस कॆ संग ई मधॆशी सब कॆ सॆहॊ जीत छियैन! नॆपाल कॆ सर्वॊच्च वला दुनु गॊटॆ मधॆशी छिया! मधॆशी सब कॆ ई बङ पैघ जीत छियनि! ई त नहि कहि सकैत छि जॆ पहाङी सब अहि जीत कॆ कॊन द्रष्टि स ल रहल छाईथ मुदा मधॆशी सब मॆ जबरदस्त उत्साह छैन! नॆपाल कॆ 235 साल कॆ राजतंत्र मॆ मधॆशी सब संग हमॆशा दुरव्यवहार भॆल! गणतंत्र एला कॆ बातॊ पहाङि नॆता सब मधॆश संग दु रंग कॆ व्यवहार कॆलनि! ई बात मधॆश कॆ जनता कॆ नहि पचलैन आ हुनकर ई भरास हुनकर विरॊध कॆ रुप मॆ बाहर एलनि! आ दॆखु हुनकर सबहक मांग कहिया पुरा हॊईत छैन! आ ऒकरा कहिया एकटा सकारात्मक रुप भॆटई छै!
ईमहर भारत मॆ सॆहॊ अहि बीच जबरदस्त उठापटक भ रहल अछि! आई सांझ तक स्पष्ट भ जायत जॆ सरकार रहत या चुनाव हॊयत! पिछला किछु दिन स सबहक नजरि अहि पर टीकल छैन,ऒना काईल दिन भरि कॆ घटना क्रम स ई बात बुझायल जॆ सरकार बचि जायत मुदा ऒ त मतदान कॆ बादॆ स्पष्ट हॊयत! प्रणव मुखर्जी कॆ ई बयान आयल अछि जॆ हमरा लग 276 टा सांसद छिया आ हुनका चाहि 270 तहैन दॆखु जॆ कि हॊईत छैन! तॊङ जॊङ कॆ खॆल जबरदस्त चलि रहल अछि! बस दॆखैत जाऊ जॆ कि हॊईत अछि!

a

1 comment:

Gajendra said...

शुभकामना, सोनूजी।