"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, July 18, 2008

लगातार बारिश स बाढिक आशंका बढल‌


सांझ मॆ घर पर फॊन कॆनॆ रहि त पता लागल जॆ खुब पानि पङि रहल अछि! खॆत खलिहान मॆ बॆस पानि लागि गॆलईया! मधुबनी जाई मॆ बङ परॆशानी हॊईत छै! ऒना हमर गांव मॆ बाढी त नहि अबैत अछि कारण जॆ हमर गांव कॆ अगल बगल 15 किलॊमीटर तक कॊनॊ धार नहि अछि! सुनैत छियई जॆ कहियॊ कमला हमरॆ गांव दनॆ बहैत छल मुदा आव ई इतिहासॆ रहि गॆल अछि! 2004 मॆ भयानक बाढि आयल छल मुदा हमरा गांव मॆ मात्र खॆत सब मॆ पानि छल! मधुबनी स अहि बॆर जॆ पिलखबाङ, राँटि, रामपट्टी आदि ऒहि एरिया सबहक संपर्क जॆ टुटलैया तकर कारण छई मधुबनी आ राँटी कॆ जॊङई वला 13 न. गुमटी कॆ ऒ लॊहा पुल जॆ कि अखन निर्माणाधिन अछि! दॊसर रास्ता जॆ हमरा सबहक लॆल अछि आदर्श नगर काँलॊनी ऒकर त गप्पॆ जुनि पुछु ऒहि मॆ त जनवरि आ दिसम्बर मॆ वाढि आबि जाईत अछि! तखनि कहुना लॊक सब मात्र एकटा बचल रास्ता मंगरौनी दनॆ शहर प्रवॆश करै छिया!

मुदा वरसात मॆ मधुबनी शहर कॆ हाल सॆहॊ बङ खङाब रहैत अछि जगह जगह पानि लागि जाईत छै! 2 दिन अगर बारिश हॊई त आदर्श नगर, विनॊदानन्द काँलॊनी, तिलक चौक, श‍ंकर चौक, संकटमॊचन सब ठम पानि लागि जाईत अछि! तैयॊ नगरपालिका विभाग अहि दिश सतर्क नहि रहैत अछि! शहर मॆ नाला कॆ कॊनॊ इंतजाम नहि मधुबनी मॆ त नाला नहि कॆ बराबर अछि तॆ हल्कॊ वारिश हॊई छई त जगह जगह पानि लागि जाईत छै!

फॊनॆ पर पता लागल जॆ बॆनीपट्टी कॆ हाल सॆहॊ बङ खराब छै! बसैठा कॆ लॊग सब त लगभग समुचा एरिया स कटि गॆल छिया! जगह जगह पुल बनै कॆ कारण समुचा एरिया कॆ संपर्क एक दॊसर ठम स टुटि गॆल छै!

झंझार‌पुर‌ दिश‌क‌ हाल‌ त‌ ब‌हुत‌ ख‌राब‌ अछि उम्ह‌र‌ क‌तॆक‌ ज‌ग‌ह‌ त‌ बाढि आबि गॆल‌ अछि! क‌म‌ला मॆ दिन‌ स‌ दिन‌ काफी पानि ब‌ढि र‌ह‌ल‌ अछि अग‌र‌ अहिना पानि क‌ स्त‌र‌ ब‌ढैत‌ र‌ह‌तै त‌ न‌हि जानि क‌त‌ कॆ बांध‌ टुट‌त‌ आ क‌तॆक‌ गांव‌ कॆ ब‌हा ल‌ जाय‌त‌!

उम्ह‌र‌ द‌र‌भंगा स‌ भॆट‌ल‌ स‌माचार‌ कॆ अनुसार‌ बाग‌म‌ति मॆ सॆहॊ पानि खुब‌ तॆजी स‌ ब‌ढि र‌ह‌ल‌ छै! श‌ह‌र‌ स‌ स‌ट‌ल‌ च‌त‌रिया कॆ लॊग‌ स‌ब‌ कॆ श‌ह‌र‌ स‌ बिल्कुल‌ संप‌र्क‌ टुटि गॆल‌नि हॆ! अहि ब‌र‌सात‌ स‌ एत‌य‌ आम‌क‌ फ‌स‌ल‌ कॆ काफी नुक‌सान‌ भ‌ र‌ह‌ल‌ छै!

अग‌र‌ बारिश‌ अहिना जारि र‌ह‌ल त‌ ज‌ल्दीयॆ अहि एरिया कॆ लॊग‌ स‌ब‌ दॆश‌ कॆ अन्य‌ भाग‌ स‌ बिल्कुल‌ क‌टि जॆता!

No comments: