"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, July 24, 2008

मिथिला बाढिक चपॆट मॆ


पिछला किछु दिन जारि भारि वारिश स मधुबनी जिला कॆ अनॆकॊ प्रखंड वाढिक तवाही स जुझ रहल अछि! कॊसी आ बलान मॆ आयल भारि जल उछाल स कतॆकॊ गांव सब मॆ पानी प्रवॆश क चुकल अछि! मरौना प्रखंड के घोघड़रिया पंचायतक‌ तुलसीयाही गांव में 108 घर नदी में विलीन भ गॆल अछि! अहि विस्थापित परिवार कॆ बीच रॊटी आऒर छत कॆ समस्या उत्पन्न भ गॆल छैन! ई लॊग कॊनॆ तरहॆ नाव पर सवारि क सुरक्षित स्थान पर जा रहल छिया! बांध सब पर सैकङॊ परिवार पहिलॆ स शरण लॆनॆ छिया! जिला प्रशासन अहि विस्थापित सब कॆ लॆल कॊनॊ तरहक व्यवस्था नहि कॆनॆ छिया! ई सब भगवानॆ भरॊसॆ जी रहल छिया!
निर्मली तिलयुगा नदी कॆ बीच धारा में बुधदिन‌ सवा दस बजे सवारि स भरल‌ नाव डूब गॆल ऒहि मॆ सवार करीब 20 लोग लापता छिया। लापता सब‌ में बॆसी स्कूली छात्र व छात्राएं छिया। हिनका लॊकिन कॆ अखनि धरि कॊनॊ पता नहि लागल अछि! झंझारपुर , लौकही, आदि प्रखंड सबहक अनॆकॊ गांव बाढिक चपॆट मॆ अछि! गांव सबहक संपर्क शहर स पुर्ण रुपॆन टुटि गॆल अछि जाहि स गांव सब दैनिक उपयॊग कॆ चीज सबहक कमी भ रहल अछि!
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन बाढि प्रभावित क्षेत्रक‌ हवाई सर्वेक्षण कॆलनि। ऒ कहलनि जॆ बाढि प्रभावित क्षेत्रकॆ अछिकतम सहायता कायल जायत! मुख्यमंत्री अफसर सब कॆ चेतावनी दॆलखिन अहा लॊकिन‌ एलर्ट रहु चूंकि अहि बॆर‌ सरकार बाढ़ पूर्व तैयारी कॆ औचक निरीक्षण कराऒत‌। लापरवाही पकरायल गॆल‌ अधिकारी पर कारवाई हॊयत।

No comments: