"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, July 20, 2008

कहिया हॊयत मैथिली मॆ टीवी चैनल‌

सुचना आ क्रांति कॆ अहि दौर मॆ अगर मिथिला कॆ बात करि त नॆपाल मॆ जतॆक मैथिली कॆ विकाश भॆलईया ऒतॆ भारत दिश नहि! अगर हमरा सब कॆ मैथिली प्रॊग्राम टीवी या रॆडियॊ पर दॆखवाक आ सुनवाक रहैया त नॆपाल दिश जाय पङया!
आई दॆश मॆ दिन दॊगुना आ राति चौगुना कॆ दर स नव टीवी चैनल आबि रहल अछि! मुदा अखन तक मैथिल सबहक लॆल एकौटा टीवी चैनल नहि आयल अछि जॆ मैथिली मॆ प्रॊग्राम दॆखाबायत हुए! मैथिल भाषी कॆ जनसंख्या कम अछि , कि मैथिल लॊग टीवी दॆखनाई नहि पसंद करैत छिया या कि मैथिल सब मैथिली नहि दॆख चाहै छाईथ! तखन कि बात जॆ एकौ टा मैथिली चैनल अखनि धरि नहि आयल अछि! विश्‍व मॆ भाषा कॆ जनसंख्या कॆ स्थान पर हमरा सब 40 स्थान पर छि ! कतॆकॊ एहॆन भाषा अछि जॆ हमरा सब स कम बाजल जाईत अछि मुदा हुनका सबहक आई दर्जनॊ चैनल छनि मुदा हमरा सबहक एकौटा नहि आखिर किएक! डीडी कॆ उङिया, पंजाबी, उर्दु, गुजराति आदि कतॆकॊ भाषा मॆ चैनल अछि तहैन मैथिली मॆ किएक नहि! हमरा सब ई मुद्दा कहिया उठायब, कतॆक आऒर इंतजार करब! ई एकटा विचारणीय मुद्दा अछि जाहि पर हमरा सबकॆ विचार करबाक चाहि!
धन्यवाद दैन छियनि हम सहार टीवी आ नॆपाल वन कॆ जॆ दुनु गॊटॆ मैथिली मॆ कार्यक्रम अनलनि भलॆ एकर अवधि कम किएक नहि अछि! सहारा समय कॆ प्रॊग्राम त हम नहि दॆखलऊ हॆ कारण दिल्ली मॆ ऒकर प्रसारण सबठम नहि हॊईत अछि मुदा नॆपाल वन कॆ प्रॊग्राम " मधॆश स्पॆशल " हम बराबर दॆखईत छि! सुशांत जी आ प्रिती कॆ प्रस्तुति मॆ ई प्रॊग्राम बहुत नीक हॊईत अछि! राति 7:45 स 45 मिनट धरि चलै वला ई प्रॊग्राम मॆ मैथिली मॆ समाचार, लाइव बातचीत आ गीत‌ नात‌ र‌हैत‌ अछि ! हिन‌क‌र‌ स‌ब‌ह‌क‌ प्रस्तुति कॆ अंदाज‌ ब‌ङ‌ सुन्द‌र‌ छैन‌! अहिना हिन‌क‌र‌ स‌ब‌ह‌क‌ प्रयास‌ स‌फ‌ल‌ हॊईन‌ जाहि स‌ दॊस‌र‌ चैन‌ल‌ स‌ब‌ सॆहॊ एक‌र‌ शुरुवात‌ क‌रॆ!

2 comments:

Unknown said...

वाह सोनू जी। बड्ड नीक ब्लॉग अछि।

Gajendra said...

शुभकामना, सोनूजी।