"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, January 9, 2012

कोशी महासेतु के नाम मिथिला के विभूति के नाम पर राखल जाई:- हुकुमदेव नारायण यादव

मधुबनी के सांसद हुक्मदेव नारायण यादव केन्द्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्री के पत्र लिख क कोसी महासेतु के नामकरण के सुझाव देलैनी हे। मंत्री के लिखल पत्र में सांसद कहला हे कि जानकारी भेटल अछि कि इस्ट वेस्ट कारीडोर पर निर्मित कोसी महासेतु के उद्घाटन के तिथि आगामी 6 फरवरी क प्रस्तावित अछि। अगर अहि महासेतु के नामकरण मिथिला के कोनो पूजनीय व्यक्ति के नाम पर रखल जाई त बेहतर होयत। इ हमर व्यक्तिगत सुझाव अछि। सांसद पांच टा नाम के सुझाव मंत्रालय के देलिनी हे। सुझाओल गेल मिथिला के विभूति के नाम में प्राचीन जनक याज्ञवल्क्य , कारु खिरहर, मंडन भारती, महान स्वतंत्रता सेनानी स्व. देव नारायण गुरमैता आ मिथिला क दु टा राजनैतिक व सामाजिक धारा के वाहक स्व.भूपेन्द्र नारायण मंडल आ कांग्रेस नेता स्व. ललित नारायण मिश्र शामिल छैथ। सांसद ने कहला कि पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी अहि पुल के शिलान्यास केने रहैथ। अहि काम स ओ अहि धरती पर अमर रहता। इ पुल सांस्कृतिक, धार्मिक, सामाजिक, राजनैतिक आ राष्ट्रीय एकता के प्रतीक बनल रहत। सांसद हुकुमदेव नारायण यादव मंत्री स आग्रह केलैथ हे कि उक्त नाम मंत्रालय के जे नाम पसंद आबैन राखल जा सकैत अछि।

साभार:- दैनिक जागरण

No comments: