"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, January 6, 2012

संस्कृत विवि में रोजगारपरक पाठ्यक्रम शुरू होयत

दरभंगा:- सीनेट की मुहर लगला के बाद संस्कृत विवि में रोजगारपरक पाठ्यक्रम शुरू होई के रास्ता साफ साफ़ भ गेल। नव पाठ्यक्रम में एमएड, कंप्यूटर विज्ञान, कर्मकांड, वास्तुशास्त्र, कुंडली निर्माण, आयुर्वेद, बीबीए, एमबीए, बीबीएड, मानवाधिकार आ योग विज्ञान में पीजी, फंक्शनल संस्कृत व अंग्रेजी, मौसम विज्ञान, पंचांग निर्माण, आध्यात्मिक व्याख्यान, गांधी चिंतन, डीटीपी, संस्कृत आ विधि, पीजीडीसीए में डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट कोर्स, बेसिक टीचर्स ट्रेनिंग, वैकल्पिक चिकित्सा, न्यास योग व स्ट्रेस मैनेजमेंट, ग्रंथालय विज्ञान शामिल केल जायत। ओतय दूरस्थ शिक्षा में मिथिलाक्षर, मानवाधिकार, बुद्धिस्ट स्टडी, फंक्शनल संस्कृत आ अंग्रेजी, ग्रंथ विज्ञान में डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट कोर्स के संगही बीएड आ एमएड के पढ़ाई सेहो होयत। अहि के साथ बौद्ध, जैन, आगम तंत्र, मीमांसा, प्राचीन इतिहास आ संस्कृति, पंजी, पालि, प्राकृत आदि विषय के स्वतंत्र विभाग स्थापित केल जायत।

-------------------------

छलक रहल छल मिथिला के संस्कृति

सीनेट के बैठक के दौरान मिथिला के संस्कृति के छलक दिख रहल छल। बैठक में विवि प्रशासन के ओर स तमाम सदस्य के मिथिला के परंपरा के अनुरूप पाग-चादर स अभिनंदित कायल गेलैनी, ओतय बैठक स्थल के भव्य सजावट कायल गेल छल। प्रवेश द्वार पर प्रधानाचार्य डॉ. महानंद झा आ डॉ. दिनेश झा सब अतिथि के अगवानी क रहल छला। मुख्य प्रवेश द्वार स सीनेट हॉल तक महर्षि याज्ञवल्क्य, विकास पुरुष ललित नारायण मिश्र, प्रसिद्ध ध्रुपद गायक रामचतुर मल्लिक, मिथिला पेंटिंग में ख्यात सीता देवी सहित विभिन्न मिथिलाक विभूति के चित्र लगाओल गेल छल।

साभार :- दैनिक जागरण

No comments: