"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, January 20, 2012

कोशी में जागल बड़ी लाइन के आस

आब कोसी में छोटी लाइन के ट्रेन नहीं चलत। पहिल चरण में सहरसा-फारबिसगंज के बीच भेल मेगा ब्लाक स इ सपना आब पूरा होइत बुझा रहल अछि। आब वाला समय में कोसी वासि के अंग्रेज जमाने के ट्रैक आ छंटी भेल बोगियों में भेड़-बकरि के तरह सफर करै स मुक्त हेता। बड़ी लायन भेला स रास्ता त सुगम हेबे करत आ क्षेत्र के आर्थिक विकास सेहो होयत। अमान परिवर्तन के बाद राघोपुर के पूर्वी छोर सीधा बंगाल स जुड़ जायत।

अहि क्षेत्र में तीन दशक पाहिले चलल छल रेल

कोसी के त्रासदी स त्रस्त इ इलाका शुरू स उपेक्षित रहल अछि। कोसी पुत्र ललित बाबू जखन रेल मंत्री बनला त अहि इलाका के किस्मत जागल। रेलगाड़ी सुपौल स्टेशन स आगा फारबिसगंज तक शुरू भ गेल । कोसी में रेल महासेतु आ नब-नब परियोजना हुनके परिकल्पना छल। नब्बे के दशक में पूरा देश में बड़ी रेल लाइन के जाल बिछेनाई शुरू भेल। समय बितैत चली गेल लेकिन कोसी के बारी नहीं आयल। सहरसा स संसद तक जखन आवाज गूंजल त बड़ी रेल लाइन सहरसा तक पंहुचायल गेल। सुपौल के लोग के मन में सेहो एकटा आस जागल की ओ दिन दूर नहीं जखन हम सब सेहो बड़ी रेल लाइन की ट्रेन पर सवार भ अपन गाँव जायब।

2004 में भी राखल गेल छल नींव

वाजपेयी सरकार के रेलमंत्री नीतीश कुमा र, रक्षा मंत्री जार्ज फर्नाडीश,खाद्य आपूर्ति मंत्री शरद यादव फरवरी 2004 सरायगढ़ में सहरसा-फारबिसगंज रेलखंड के नींव रखने छाला। रेलमंत्री ने कहने छाला कि सरायगढ़ स सकरी और सहरसा स फारबिसगंज तक अमान परिवर्तन के अहि परियोजना के लागत 335 करोड़ अछि। रक्षा मंत्रालय स स्वीकृति के बाद एकरा पूरक बजट में लायल गेल। उस समय अपने संबोधन में नेता सुरक्षा आ सामरिक दृष्टिकोण स सीमावर्ती इलाका में रेलवे के महत्वपूर्ण भूमिका बतेला। चुनाव के वक्त आबी गेल सत्ता पलट गेल आ मामला ठंडा बस्ता में चली गेल। सत्ता बदलल त महासेतु के कार्य में कने तेजी आयल मुदा अमान परिवर्तन अबकी मधेपुरा के हिस्सा में चली गेल आ एकबेर फेर कोशी के इ पिछड़ा इलाका चुकी गेल।

मेगा ब्लाक स जगाल आस

सहरसा-फारबिसगंज रेलखंड पर राघोपुर-फारबिसगंज के बीच 20 जनवरी स लागायल गेल मेगा ब्लाक स कोसी वासि में एकबेर फेर स आस जागल। पूर्व मध्य रेल अंतर्गत सहरसा-फारबिसगंज रेलखंड पर राघोपुर-फारबिसगंज के बीच तमाम ट्रेन बंद कय देल गेला। वरिष्ठ मंडल वाणिज्य रेल प्रबंधक पूर्व मध्य रेल समस्तीपुर समीर कुमार कहलैनी कि इ निर्णय मंत्रालय द्वारा अमान परिवर्तन के ल क लेल गेल अछि।

No comments: