"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, January 24, 2012

हुजुर हम सब कतय जेबै नै घर अछी नै ठिकाना

हायाघाट,: हुजूर हम सब जेबै त कतय जेबै..हमरा सब लग नै रहै लेल घर आ नै बसई लेल जमीन अछि। इ फरियाद प्रखंड मुख्यालय स महज डेढ़ किमी के दूरी पर अवस्थित प्रखंड के सिरनियां पश्चिमी विलासपुर पंचायत के पश्चिमी विलासपुर गांव के लगभग एक सौ स बेसी लोग के अछि। जे गांव स्थित रिंग बांध वाटरवेज के कात में बसल छैथ। रिंग बांध वाटरवेज के भ रहल मिट्टी करण के कारण एक सौ स अधिक परिवार आई उक्त बांध स किछ दूरी पर दोसर के जमीन में झुग्गी-झोपड़ी डाली क विस्थापित जिंदगी गुजारी रहल छैथ। हुनका सब लग बुनियादी सुविधा के घोर कमी अछी परंतु एकर सुधि लई के लेल नै कोनो प्रशासनिक अधिकारी आ नहीं कोनो जनप्रतिनिधि आगा आबी रहल छैथ। उक्त गांव में पहुंचला पर नजारा देखै के भेटैत अछी। एक तरफ अन्हार गुफ्फ़ राती आ उपर स ठंडी पछवा हवा। आ अहि ठंढ स बचै लेल महज पुआल आ एकटा कोनो तरहे ऊपर स शरिर के ढके लेल फाटल पुरान चादर चारों तरफ सन्नाटा। नहीं कीड़ा मकोड़ा के डर आ न ही विषैला सांप के। एहेन परछाइ के बीच गुजरैत अछि उक्त गांव के विस्थापित लोग के रात। विस्थापित मो. शफी के 70 वर्षीय वयोवृद्ध मां शकीना खातून स मिलैत अनायास हुनका मुंह स निकल पड़ैत छैन कि बुढ़ापा में येह दिन देखै के भेटल रहे बाबू। एतय पेट के आग बुझाबइ लेल जहैनी बच्चा पानी पी-पी क चूड़ा चबाया त अपन बच्चा के ऐना देख हुनक अम्मी शहाना खातून फफक पडली। इ व्यथा कोनो एक परिवार के नहीं बल्कि लगभग ओ सब विस्थापित परिवार के अछि। सांत्वना आ उम्मीद त सब लोग हुनका सब के देत छैन मुदा अहि स की होयत। जिनका लग किछ छैन्हे नै। हर आबई जाई वाला लोग पर ओ एकटा उम्मीद भरल नजर स देखैत छैथ। शायद कियो मसीहा बनी हुनक विस्थापित जिंदगी स निजात दिया देन। पंचायत के मुखिया हसीना खातून आ पूर्व मुखिया शफीउर्रहमान उर्फ बौआ मियां अहि विस्थापित परिवार के समस्या ल क अंचल प्रशासन स कतेक बेर भेंट क चुकल छैथ। मुदा प्रशासन अहि विस्थापित परिवार के प्रति बिल्कुल उदासीन अछि। इ हकीकत कोनो मिथिलांचल के एकटा हायाघाट टा के नहीं अछि एहेन अहके किएक ठाम भेट जायत।

साभार :- दैनिक जागरण

1 comment:

BlogKing said...

hiii friend if you like maithili songs then please give link to mithilaworld to download songs to your visitor http://mithilaworld.blogspot.com/

please remove this comment after reading this is my request