"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, January 10, 2012

कालिदास डीह के उन्नयन के जागल आस

सीएम की सेवा यात्रा बेनीपंट्टी के विकास आ एकर उत्कर्ष के लेल पैघ कदम साबित भ सकैत अछि। बेनीपंट्टी में आईटीआई के निर्माण आ कालिदास डीह के उन्नयन विकास के नव कहानी लिखत। उक्त बात भाजपा विधायक विनोद नारायण झा सोमदिन पत्रकार सम्मलेन में कहलैनी । ओ कहलिनी कि पिछला 8 दिसंबर क बिहार विधानसभा में गैर सरकारी संकल्प के दौरान कालिदास डीह के उन्नयन आ एकर पर्यटन स्थल के रूप में विकसित करै के मामला हम उठोने छलौ । सीएम ओही क्रम में कालिदास डीह उच्चैठ के देखै के इच्छा प्रकट केने छलैथ। आब 16 जनवरी स शुरू होई वाला अपन सेवा यात्रा में कालिदास डीह के अवलोकन करता। श्री झा ने कहलैनी कि कालिदास के जन्मस्थान आ शिक्षा स्थल उच्चैठ छलैन,आ अहि भूमि स ओ विद्वान बनला। हुनक जन्मस्थान उज्जैन कहनाई पूर्ण गलत अछि । उच्चैठ में कालिदास के नाम स खतियान व जमाबंदी बहुत एकर बहुत पैघ प्रमाण अछि। कालिदास 375 ई. से 415 ई. तक गुप्त सम्राट चन्द्रगुप्त विक्रमादित्य के दरबार के नवरत्नों में शामिल छाला। अपन विद्वता के बदौलत ओ उच्चैठ स उज्जैन गेल छला। विधायक कहला कि ओ यूजीसी के पत्र लिख क अहि पर सेमिनार आयोजित करै के मांग केला हे ताकि तमाम साक्ष्य के प्रस्तुत क इ सिद्ध कायल जा सकें कि कालिदासक जन्मस्थान उच्चैठ छैनी। कालिदास कुमार संभवम के रचना अहि ठाम केने छला । ओ कुष्ठ स ग्रसित भ गेल छला । फेर ओ रघुवंशम् के रचना केला त रोग स मुक्त भेला। अहि सबके बाद कालिदास विक्रमादित्य के निमंत्रण पर उज्जैन गेल छला ।
सीएम सेवा यात्रा के क्रम में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के 16 जनवरी क सिद्धपीठ उच्चैठ भगवती स्थान, कालिदास डीह आ भुवनेश्वरी गयादत अस्पताल शिव नगर में आगमन के संभावना के ल क चहल-पहल बढ़ी गेल अछि।
साभार :- दैनिक जागरण

1 comment:

Anonymous said...

Bahut dhanyabad.
Vinod babu ke website nicha del domain par dekh sakait chhi:-

www.VNJha.in