"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, January 20, 2012

मिथिलांचल के संस्कृति सचमुच अद्भुत अछि :- नितीश कुमार

सेवा यात्रा के चारिम आ अंतिम दिन कालि सांझ जयनगर के डीबी कॉलेज में आयोजित एक विशाल जनसभा के संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला की अपराध आ भ्रष्टाचार स कोनो समझौता नहीं कायल जायत। भारत-नेपाल जकर संबंध अटूट अछि, एकरा और मजबूत करै के आवश्यकता अछि। मुख्यमंत्री कहला की पूरा बिहार बदली रहल अछि आ अखन बहुत किछ केनाई बाकी अछि। आहा सब मिल्लत, अमनचैन आ भाईचारा बना क राखु। अहि बल पर बिहार प्रगति के राह पर अग्रसर होयत। मुख्यमंत्री कहला की हमर इतिहास पूरा मानव सभ्यता के इतिहास अछि। एकरा अक्षुण्ण रखइ के लेल सरकार हर संभव प्रयास लेल तैयार अछि। चार दिवसीय सेवा यात्राक संस्मरण उपस्थित लोग के सुनावैत कहला की कि मधुबनी में जगह-जगह जे प्यार आ स्नेह भेटल ओकरा हम कहियो बिसरी नै सकब। ओ कहला की बलिराजगढ़ के देख हमर मन में एक अलग जिज्ञासा जागल। बलिराजगढ़ के विशाल भूखंड 22 सौ वर्षक इतिहास समेटने अछि । अहि अनमोल धरोहर आ पूरातात्विक स्थल की एक-दू बेर छोड़ कहियो खुदाई नहीं नहीं भेल। अहि लेल हम प्रधानमंत्री के पत्र लिखब। ओ कहला कि मात्र उपरी ईट 22 वर्षक के इतिहास के प्रतीक अछि अगर एकर गहराई में जा क काज होई त कतेको और इतिहास भेटत। ओ कहला कि मधुबनी पेंटिंग मिथिला समृद्ध संस्कृति के प्रतीक अछि आ एकरा विकसित व जीवित राखै के लेल सरकार हर प्रयास करत। ओ कहला कि हम मधुबनी पेंटिंग के गढ़ जितवारपुर आ रांटी जा क स्वयं कलाकार स आ हुनक हस्तकला देख्लौ आ अहि हमरा महान विभूति पद्मश्री महासुन्दरी देवी स भेट करै के सौभाग्य प्राप्त भेल। ओ कहला की हमरा मन में अहि विधा के प्रति अगाध प्रेम अछि। ओ कहला कि भूमि के कारण सरकार मधुबनी पेंटिंग प्रशिक्षण केन्द्र खोलै के घोषणा नहीं क रहल छल जे आब उपलब्ध अछि। आ अहि भूमि पर विशाल व अत्याधुनिक प्रशिक्षण केन्द्र खोलै के लेल शिक्षा विभाग को जिम्मेदारी देल गेला। सौराठ के इ प्रशिक्षण केन्द्र जाहिमे मिथिलांचल के महिला प्रशिक्षण प्राप्त करती आ हुनका प्रमाण पत्र देल जेतैन। आ ओतय प्रदर्शनी आ हाट सेहो लागायल जायत जाही में पूरा देश व प्रदेश के लोग सिरकत करता। सिद्ध पीठ उच्चैठ, कालीदास डीह के चर्चा ओ कहला कि मिथिलांचल के संस्कृति सचमुच अद्भुत अछि। मुख्यमंत्री कहला कि जयनगर सीमावर्ती क्षेत्र अछी आ भारत-नेपाल के संबंध अटूट अछि। एकरा और मजबूत करै के जरूरत अछि। अहि दिशा में सरकार पहल क रहल अछि आ नेपाल के प्रधानमंत्री के पटना आबे के लेल आमंत्रित कायल गेला। नेपाल स वार्ता के बाद बाढ़ के विभीषिका स निजात भेट सकैत अछि आ सिंचाई सेहो सुदृढ़ भा सकैत अछि।

मुख्यमंत्री जयनगर के सभा मंच स रिमोट के द्वारा 170 योजना के उद्घाटन आ 347 योजना के शिलान्यास केला। चार सौ करोड़ स अधिक निर्मित वाला योजना में अररियासंग्राम के पॉलीटेक्निक कालेज मधुबनी-खुटौना, फुलपरास-लौकहा पथ आ मधुबनी नगर परिषद के प्रशासकीय भवन सेहो शामिल अछि जकर ओ शिलान्यास आ उद्घाटन केलैनी। मुख्यमंत्री के विधायक अरुण शंकर प्रसाद, जदयू कार्यकर्ता आ मारवाड़ी युवा मंच के ओर स पाग, दोपटा, चादर, मखाना के माला, मिथिला पेंटिंग आदि द क स्वागत कायल गेल।

Sabhar : Dainik jagran

No comments: