"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, January 31, 2012

सहरसा में रेलवे वाशिंग पिट के निर्माण कार्य पूरा भ गेल

बिहार के सहरसा में बनी रहल रेलवे वाशिंग पिट के निर्माण कार्य पूरा भ गेल आ 30 जनवरी स इ वाशिंग पिट कार्य क र लागल। पूर्व मध्य रेलवे के उप मुख्य अभियंता (निर्माण) एके मिश्र कहलैनी कि आठ करोड़ रुपए के लागत स बनल अहि वाशिंग पिट के निर्माण भेला स ट्रेन के साफसफाई में काफी आसानी होयत। ओ कहलैनी कि उत्तर बिहार के महत्वपूर्ण स्टेशन में स एक अहि स्टेशन के निकट वाशिंग पिट बनला स सवारी गाड़ि के संग संग लंबी दूरी के रेलगाड़िय के धुलाई आ साफ सफाई आसान भ जायत।

मिश्र कहलैनी कि लोग के मांग के मद्देनजर रेलवे पटना स सहरसा के बीच राजरानी एक्सप्रेस के नाम स एक जोड़ी नव ट्रेन चलावै के निर्णय लेलक अछि। अहि के अतिरिक्त आओर महत्वपूर्ण ट्रेनों के परिचालन सेहो सहरसा स आरंभ होयत।

ओ कहलैनी कि सहरसा बनमनखी रेलखंड के मधेपुरा स मुरलीगंज के बीच 22 किलोमीटर तक आमान परिवर्तन कार्य लगभग पूरा कय लेल गेल आ आगामी माह स अहि पथ पर मालगाड़िय के परिचालन आरंभ क देल जायत। रेल सुरक्षा आयुक्त के निरीक्षण के बाद यात्री ट्रेन के परिचालन सेहो शीघ्र शुरू होयत।

No comments: