"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, January 22, 2012

मिथिलाक पाग में श्री श्री रविशंकर जी महराज

आध्यात्मिक गुरु पूजनीय श्री श्री रवि शंकरजी महराज आइ पटना आयल छलाह. बिहार सरकार हुनका राज्य अतिथि घोषित केने छलखिन .हुनक स्वागत मे बिहार विधान सभाक अध्यक्ष ,बिहार विधान परिषदक सभापति आ उप मुख्य मंत्री ,क्रमशः श्री उदय नारायण चौधरी ,श्री तारा कान्त झा आ श्री सुशील मोदी उपस्थित छलाह . श्री श्री के मिथिलाक पाग पहिरा क’ स्वागत कायल गेलैनी आ मंच पर ओ मिथिलाक अहि समानित पाग में छाला .बिहार सरकार मिथिलाक पागक सम्मान क’ मिथिलाक प्रति सम्मान प्रगट क’ उचित कार्य केलक . श्री श्री रविशंकर जी महाराज पटना में लोग के जीवन जीवै के तरीका सिखेलखिन. सत्संग के दौरान श्रद्धालु सब के प्रश्न आ शंका सब के समाधान श्रीश्री बहुत व्यावहारिक ढंग स देलखिन. काल्हि ६ वजे भोर मे महारुद्राभिषेक स्वम श्री श्री अपने करताह.


No comments: