
राजद विधानमंडल दल के बैठक शनिदिन लालू प्रसाद के 10 सर्कुलर रोड स्थित आवास पर भेल, जाही में सर्वसम्मति स पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी के विधान परिषद चुनाव के प्रत्याशी घोषित कायल गेल। आ एकर औपचारिकता रविदिन राजद संसदीय बोर्ड के बैठक में पूरा कायल जायत।
राजद विधानमंडल दल के बैठक में पारित प्रस्ताव में कहल गेल कि प्रदेश में काफी दिन स विधानमंडल आ पार्टी के भीतर नेतृत्व के अभाव खटक रहल अछि। एकर कमी के पूरा करई के लेल राबड़ी देवी के परिषद के सदस्य बनेनाई जरूरी मानाल जा रहल अछि। परिषद में विपक्ष के नेता पद पर राबड़ी देवी के विराजमान होई के संभावना अछि। अहि पद स गुलाम गौस के विदाई करीब तय अछि। राबड़ी देवी सेहो पटना पहुंच गेल छियाथ। ओतय राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद कहला कि पार्टी के जुझारू बनायल जायत ।
बैठक में राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद , प्रतिपक्ष के नेता अब्दुलबारी सिद्दीकी, उपनेता रामलषण राम रमण, मुख्य सचेतक सम्राट चौधरी, भाई वीरेन्द्र, ब्रजकिशोर सिंह, प्रदेश अध्यक्ष रामचन्द्र पूर्वे आ प्रधान महासचिव सांसद रामकृपाल यादव आदि उपस्थित छलैथ।
No comments:
Post a Comment