कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय जाही डगर पर अपन पांव पसारलक अछि अगर ओ कारगर भेल त जल्द देश-दुनिया में ओकर प्रभावी दखल होयत। विवि बेंगलुरु के आईटी कंपनी कान्टि सेमेंटीज प्रालि के संग मिल क प्रयोग के तौर पर शुक्रदिन एकर शुरुआत कय देलक। अहि योजना के तहत संस्कृत विवि स वीडियो श्रृंखलाएं जारी होयत। इ श्रृंखला कंपनी के उत्पाद निमिट के माध्यम स नासा के साथ पूरा विश्व में भेजल जायत। बताओल गेल कि हाल में नासा के रॉकेट साइंस में नव प्रयोग के लेल संस्कृत विद्वानों के जरूरत पूरा नहीं होई के रिपोर्ट देख क वीसी डॉ. अरविंद कुमार पांडेय अहि पर पहल करे के योजना बनेला आ शुक्रदिन स एकरा धरातल पर उतारे के प्रयास सेहो आरंभ कय देलैनी। कंपनी के निदेशक दीपक कुमार आ रूपेश कुमार कहलैनी कि आई वीसी चैंबर में साहित्य विभाग के प्राचार्य डॉ. देवनारायण झा आ डॉ. लक्ष्मीनाथ झा के व्याख्यान के 15-15 मिनट के वीडियो तैयार कायल गेला। आ एकरा जल्दिये जारी कायल जायत। अहि मौका पर वीसी डॉ. पांडेय विवि के ई अनोखी पहलकदमी पर सेहो प्रकाश देल गेल। ओ आशा जतेलैनी कि अहि माध्यम स संस्कृत नव ऊंचाइ के छू सकत। डीएसडब्ल्यू डॉ. जितेंद्र कुमार सेहो अपन विचार राखैत एकरा सरहानीय प्रयास कहलैनी।
No comments:
Post a Comment