पटना, उप-राष्ट्रपति हामिद अंसारी वृहस्पति दिन श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल में दीप प्रज्वलित क विधान परिषद के शताब्दी समावर्त्तन समारोह के उद्घाटन करता। उप-राष्ट्रपति द्वारा समारोह में छह पुस्तक के लोकार्पण सेहो कायल जायत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विधान परिषद परिसर स्थित कबीर वाटिका में स्थापित शताब्दी स्तंभ के उद्घाटन सेहो करता। अहि शिलापट्ट पर परिषद के वर्तमान सदस्य के नाम अंकित अछि। अहि स्थल पर रात्रि में भोज के सेहो आयोजन अछि। उप-राष्ट्रपति वृहस्पति दिन पूर्वाह्न 11.00 बजे पटना हवाई अड्डा पहुंचता आ राजभवन के लेल प्रस्थान करता। ओ 11.20 बजे आयोजन स्थल पर पहुंचता ,जतय परिषद के सभापति ताराकांत झा हुनका पुष्प गुच्छ स स्वागत करथिन । अहि के बाद राज्यपाल देवानन्द कुंवर आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के भाषण होयत। समारोह में उप राष्ट्रपति के हाथ स विधान परिषद के इतिहास दूसरा खण्ड, राजनीतिक व्यवस्था ,शासन प्रणाली आ निर्वाचन प्रक्रिया, अतुल्य बिहार, इतिहास की आवृति, शताब्दी स्मारिका आ इतिहास के झरोखे के लोकार्पण होयत।
No comments:
Post a Comment