"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Sunday, March 18, 2012

बिहारी दिल्ली पर बोझ नहीं बल्कि दिल्ली के जरूरत अछि -नितीश कुमार

बिहार शताब्दी दिवस के अवसर पर आई दिल्ली के एतिहासिक निरंकारी मैदान में बिहार शताब्दी दिवस समारोह मनाओल गेल. कार्यक्रम के शुरुवात राष्ट्रीय गाण के संग भेल आ कार्यक्रम के उद्घाटन बिहार के मुख्यमंत्री नितीश कुमार दीप प्रज्वलित कय केलखिन. उक्त मौका पर कार्यक्रम के संयोजक आ बिहार विधान परिषद् के सदस्य श्री संजय झा कहला की पहिले बिहार के लोग दिल्ली में रोजी रोटी के लेल आबैत छल मुदा आब बिहारी दिल्ली के तक़दीर लिखत. उक्त मौका पर विशाल जनसमूह के संबोधित करैत मुख्यमंत्री नितीश कुमार कहला की बिहार के बिना दिल्ली के काज नहीं चली सकैत अछि बिहारी दिल्ली पर बोझ नहीं बल्कि दिल्ली के जरूरत अछि.

बिहार के गौरव गाथा पर अद्भुत नृत्य प्रस्तुत कायल गेल त विनय मिश्र जी के शंख नाद आ शिव स्तुति स पूरा माहौल भक्तिमय भय गेल. मंच पर जखनी भोजपुरी के प्रसिद्ध गायक श्री मनोज तिवारी जी ऐला त पूरा जनमानस हुनका सुर में सुर मिला क झूमअ लागल. अंशु माला जी के प्रस्तुति सेहो काफी बढ़िया रहल.

उक्त मौका स्टार चैनल के हेड उदय शंकर जी ,पूर्व क्रिकेटर सवा करीम समेत कियक टा बिभूति के बिहारी सम्मान स सम्मानित कायल गेल.

No comments: