"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, March 5, 2012

बिहारक विकासक रफ्तार मॆ एकटा आऒर नव अध्याय जुङल‌, भारत बनल विश्वकप कबड्डी कॆ विजॆता

प्रथम महिला विश्व कप कबड्डी पर भारत कॆ कब्जा

-रोमांचक फाइनल में ईरान स‌ 25-19 स जीतल‌

-कप्तान ममता ने दिखॆलईन अपन‌ क्षमता, दीपिका, प्रियंका आ अन्य सॆहॊ कॆलनि लाजवाव प्रदर्शन‌

-जापान आ थाइलैंड कॆ कांस्य पदक‌

पटना : बिहार अपन विकासक रफ्तार मॆ एकटा आऒर नव अध्याय जॊङलक आ पहिल महिला विश्व कप कबड्डी कॆ सफल आयॊजन कॆलक।
एशियाड, एशियन चैंपियनशिप, पुरुष व‌र्ल्ड कप में अपराजय रहल‌ भारतीय कबड्डी टीम के सुनहरा इतिहास में रविदिन‌ एक और स्वर्णिम अध्याय जुड़ल‌। पाटलिपुत्र कॆ धरती पर संपन्न प्रथम महिला विश्व कप कबड्डी प्रतियोगिता में भारत एकटा रोमांचक फाइनल मैच में ईरान कॆ 25-19 स पराजित क खिताब अपन नाम क लॆलक‌। जापान आ एशियाड में रजत पदक विजेता थाइलैंड कॆ कांस्य पदक स संतोष करै पङलैन‌।

अहि जीत स भारत विश्व खिताब कॆ हैट्रिक सॆहॊ पूरा कॆलक। अहिकॆ पूर्व भारतीय पुरुष मुंबई (2010) आ पनवेल (महाराष्ट्र, 2011) में विश्व खिताब अपन नाम कॆनॆ छल‌।

सेमीफाइनल में भारत जापान कॆ 59-20 स आ ईरान थाइलैंड कॆ 45-26 स हरा क फाईनल मॆ प्रवेश कॆनॆ छल‌। दर्शक स खचाखच भरल‌ पाटलिपुत्र स्पो‌र्ट्स काम्पलेक्स के इंडोर हाल में काईल‌ देर शाम खेलल गॆल ई फाइनल मुकाबला काफी रोमांचक रहल‌।

No comments: