"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, March 10, 2012

मोतिहारी मे केन्द्रीय विश्वविद्यालय खोलई कॆ मांग कॆ ल राजघाट पर एकदिवसीय धरना

मोतिहारी मे केन्द्रीय विश्वविद्यालय खोलई कॆ मांग कॆ ल क स्वर्णिम भारत निर्माण आ स्वामी सहजानन्द सरस्वती किसान सूचना केन्द्र के अध्यक्ष मनीष कुमार शेखर आ मोतिहारी मे केन्द्रीय विश्वविद्यालय कॆ स्थापना के समर्थक 15 मार्च 2012 क 11 बजे स 5 बजे शाम तक नई दिल्ली में राष्ट्रपिता महात्मा गांधी कॆ समाधि राजघाट पर एक दिवसीय धरना कॆ निर्णय लॆला अछि ।

केन्द्र आ राज्य सरकार महात्मा गांधी कॆ कर्मभूमि मोतिहारी पूर्वी चम्पारण मे कॆन्द्रिय विश्वविद्यालय खोलई के निर्णय पर सहमति दॆनॆ छल‌, लेकिन मानव संसाधन विकास मंत्रालय नई दिल्ली के प्रतिनिधि के द्वारा मोतिहारी मे स्थल निरीक्षण के बाद ई रिपोर्ट दॆल गॆल‌ कि मोतिहारी मे हवाई यात्रा कॆ सुविधा नही अछि अहि कारण एतय‌ खोलनाई ठीक नही होयत‌। सरकार आब एकरा गया मे खोलई कॆ बात क रहल अछि।

धरने के माध्यम स माननीय प्रधानमंत्री जी कॆ ज्ञापन द क अहि दिशा मॆ ध्यान आकृष्ट कराऒल जायत। 13 नवम्बर 1917 क‌ महात्मा गांधी मोतिहारी स 32 किलोमीटर दूर बड़हरवा लखनसेन मे जतय‌ देश के पहिल‌ बुनियादी विद्यालय कॆ स्थापना क स्वंय‌ शिक्षा देवॆ कॆ काम शुरु कॆनॆ छला त ऒ हवाई यात्रा कॆ सुविधा पर‌ ध्यान नही दॆनॆ रहाईथ‌।

No comments: