
फर्जी तरीका स 46 लाख रुपया कॆ निकासी के अहि मामला में विशेष सीबीआई अदालत के जज वीके श्रीवास्तव राजद के पूर्व सांसद आरके राणा के खिलाफ सॆहॊ आरोप तय कय दॆलखिन। वर्ष 1994 स 1996 के बीच पशुपालन विभाग के बांका आ भागलपुर के कोषागार स धोखाधड़ी क 46 लाख रुपया कॆ निकासी के मामला में ई आरोप तय भॆल अछि।
वर्ष 1994-1996 के दौरान बिहार के मुख्यमंत्री लालू प्रसाद छला। लालू ई आरोप लगॆलनि कि अहि कांड में हुनका गलत तरीका स फंसायल गॆल अछि आ सीबीआई कॆ अहि मुकदमा के संबंध में राज्यपाल स मंजूरी नहीं प्राप्त भॆल छैन।
फर्जी तरीके स निकासी के अहि मामला में सीबीआई आरोपी के खिलाफ 3 मार्च 2003 क धोखाधड़ी के बिंदु स आरोपपत्र दाखिल कॆनॆ छला।
1 comment:
Hinka dunu ke Jail ke roti khenai avashyak chhain. E dunu jodi chori karai me mahir chhiya. Jail bheju dunu ke.
Mithilanchal
Post a Comment