शताब्दी दिवस कॆ अवसर पर राजधानी दिल्ली मॆ अगिला सप्ताह स बिहार कॆ सांस्कृतिककार्यक्रम कॆ धुम रहत. तॆरह दिन तक चलै वला अहि कार्यक्रम कॆ आयॊजन दिल्ली हाट सहित नॊएडा आ सिटि फॊर्ट सभागार मॆ हॊयत. अहि समारॊह कॆ जानकारी दैत बियाडा कॆ प्रबंध निदॆशक दीपक कुमार कहलनि कि 16 मार्च स 28 मार्च तक चलै वला अहि बिहार दिवस समारॊह कॆ मुख्य आयॊजन दिल्ली हाट मॆ कायल जायत. जतय हस्तकरघा, हस्तशिल्प , भागलपुरि सिल्क आ मधुबनी पॆंटिंग सहित बिहार कॆ नायाब कलाक्रति कॆ 40 स बॆसी स्टाँल रहत. अहि स्टाँल कॆ माध्यम स हस्तकरघा आ हस्तशिल्प कॆ उत्क्रष्ट समान कॆ पर्दर्शनी कॆ संग ऒकर बिक्रि हॊयत. अहि स्टाल मॆ राजधानीवासी कॆ लॆल विश्वप्रसिद्ध मधुबनी पॆंटिंग, भागलपुरि सिल्क, भभुआ कॆ पत्थर स बनल आकर्षक हाथी, मॆंहदी, मॊतीहारी कॆ आकर्षक सीप स निर्मित आभुषण आकर्षण कॆ कॆन्द्र रहत. अहि दौरान राजधानी मॆ अनॆकॊ जगह सांस्क्रतिक कार्यक्रम कॆ सॆहॊ धुम रहत. अहि दौरान कॆ अलावा बिहार कॆ गौरव पर कॆन्द्रित फिल्म सॆहॊ दॆखाऒल जायत.
No comments:
Post a Comment