"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, March 1, 2012

दरभंगा स्थित अशोक पेपर मिल तीन माह कॆ अंदर चालु हॊयत‌

दरभंगा स्थित अशोक पेपर मिल ढाई स तीन महिना के अंदर चालू भ जायत। एतय‌ कागज के संग‌ चीनी कॆ सॆहॊ उत्पादन करै कॆ योजना अछि। विधान परिषद में उधॊग‌ मंत्री रेणु कुशवाहा बुधदिन उक्त घोषणा कॆलनि।

मिश्री लाल यादव के अशोक पेपर मिल कॆ चालू करै आ ऒकर‌ रक्षा स संबंधित ध्यानाकर्षण कॆ जवाब दैत‌ मंत्री कहलि कि मिल चालू भॆला स अहि ठाम‌ रोजगार के नव‌ अवसर पैदा होंयत‌। मिल में बिजली आपूर्ति चालू करै के लॆल‌ राशि जमा कय दॆल गॆल अछि। मिल कर्मि कॆ बकाया मद में आंशिक भुगतान कॆ व्यवस्था सॆहॊ कायल गॆल अछि आ मिल में उत्पादन शुरू भॆला पर बकाया भुगतान कायल जायत‌।

श्री यादव के पूरक के जवाब में मंत्री कहली कि सर्वोच्च न्यायालय के आदेश स बंद पड़ल मिल कॆ सुरक्षा दरभंगा के एसपी क रहल छियाईथ‌। एसपी आ डीएम के प्रतिवेदन के मुताबिक 20 सुरक्षा प्रहरी मिल क देखभाल क रहल छाईथ‌, लकड़ी बेचई जाई कॆ कॊनॊ सूचना नहीं अछि। अशोक पेपर मिल कॆ स्थिति स्पष्ट करैत ऒ कहलाईथ‌ कि 1996 में उच्चतम न्यायालय के आदेश के तहत मेसर्स नोवियो कैपिटल एंड फाइनांस लिमिटेड,मुंबई कॆ पुनर्वास आ कार्यरत करई कॆ लॆल दॆल गॆल‌। स्कीम के तहत राज्य सरकार, वित्तीय संस्थान आ कामगार यूनियन के कर्तव्य कॆ निर्धारण कय दॆनॆ छल‌। अदालत ने पुनर्वास कार्य के मूल्यांकन आ समीक्षा के लॆल उधॊग‌ मंत्रालय कॆ अध्यक्षता में एक समीक्षा समिति कॆ गठन कायल गॆल जकरा समय-समय पर समीक्षा क अपन प्रतिवेदन सर्वोच्च न्यायालय कॆ दॆवाक छल‌।

बकौल मंत्री मिल 2000 में कार्यरत भॆल आ वर्ष 2001 में राज्य सरकार द्वारा रोक लगॆला स मिल फॆर‌ बंद भ गॆल‌। मेसर्स नोवियो सर्वोच्च न्यायालय कॆ शरण में गॆल जतय‌ सरकार के रोक कॆ उचित नहीं मानल गॆल‌। वर्ष 2004 में मिल लिक्विडेट भ‌ कोलकाता उच्च न्यायालय द्वारा नियुक्त लिक्विडेटर के कब्जा में चलि गॆल। फॆर‌ वर्ष 2010 में नोवियो कैपिटल मिल कॆ कार्यरत करईक लॆल उधॊग‌ विभाग के प्रधान सचिव कॆ आवेदन दॆलनि। आ अहि पर स‌ सरकार रोक हटा लॆलक। आ आब‌ मिल कॆ चालू करै कॆ कार्रवाई शुरु हुअ जा रहल अछि।

No comments: