"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, September 20, 2012

बिहार में 92 हजार माध्यमिक शिक्षकक नियुक्ति होयत

राज्यक उच्च माध्यमिक विद्यालय म 92 हजार शिक्षकक नियुक्ति कायल जायत. उच्च माध्यमिक शिक्षकक 92 हजार पद सृजित करईक प्रस्तावक पदवर्ग समितिक मंजूरी भेट गेल अछि. 
कैबिनेट स एकर स्वीकृति भेटते शिक्षकक नियुक्तिक प्रक्रिया शुरू कय देल जायत. विभागक प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा कहला कि चरणवार 92 हजार शिक्षकक नियुक्ति होयत. पहिल चरण में फरवरी/मार्च, 2013 तक उच्च माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (एसटीइटी) क पेपर टू में उत्तीर्ण अभ्यर्थिक नियुक्त कायल जायत. पेपर टू में 20743 अभ्यर्थी उत्तीर्ण होयत. शेष पद पर नियुक्तिक ल क ओकर बाद रणनीति बनायल जायत.
* रुकल अछि  नियुक्तिक प्रक्रिया
उच्च माध्यमिक शिक्षकक एखन धरी पद  सृजित नहीं भेला. अहि कारण स अहि शिक्षकक नियुक्ति रुकल अछि. ओतय, प्राथमिक, मध्य आ माध्यमिक शिक्षकक नियुक्तिक आवेदन लेल जा रहल अछी. श्री सिन्हा कहला कि विश्वविद्यालय स इंटर क पढ़ाई के अलग करवाक अछि.
ताहि कारण राज्यक उच्च माध्यमिक विद्यालय के मजबूत करई क आवश्यकता अछि. एकरा देखेत  92 हजार शिक्षकक पद सृजित कायल जा रहल अछि. जेना जेना उच्च माध्यमिक विद्यालय सुदृढ़ होयत, संबंधित क्षेत्रक डिग्री कॉलेज स इंटरक पढ़ाई हटा लेल जायत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार घोषणा केलैनी हे कि राज्य के हर पंचायत में एक-एक माध्यमिक/उच्च माध्यमिक विद्यालय होयत.
अहि के लेल करीब 5500 नव विद्यालय खुजत . वर्तमान में तीन हजार माध्यमिक विद्यालय होयत. अहि में करीब 600 विद्यालय में इंटरक पढ़ाई होयत. अहि वर्ष स सब उच्च माध्यमिक विद्यालय में हर विषय में 40-40 सीट बढ़ायल जायत. ताकि मैट्रिक में उत्तीर्ण कोनो विद्यार्थी इंटर में नामांकन स वंचित नहीं रही जायत. अहि अनुपात में एखन शिक्षकोक कमी अछि.

No comments: