"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, September 25, 2012

पटना एम्स में एमबीबीएसक पढ़ाई शुरू भेल


पटना स्थित जयप्रकाश नारायण अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान में लंबा इन्ताज़रक बाद आई स एमबीबीएसक पढ़ाई प्रारंभ भ गेल। एकर विधिवत उद्घाटन राज्यक स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी चौबे केलैनी जहैनी की पहिल कक्षा पटना एम्सक निदेशक डॉ़ जी़ के़ सिंह लेलैनी।
अहि मौके पर अधिकारि कहला कि अगिला वर्ष स एम्स में मरीजक इलाज सेहो प्रारंभ कय देल जायत। केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालयक निर्देश पर सत्र 2012-13 क लेल पटना में एमबीबीएसक 50 सीट पर नामांकन भेल छल।
अधिकारी कहला कि संस्थानक मुख्य परिसर में अखन भवनक निर्माण कार्य चल रहल अछि जाही कारण वर्तमान समय में पढ़ाई खगौल क वाल्मीक निकट पटना एम्सक दोसर परिसर में होयत। उद्घाटनक मौका पर भारत सरकारक परिवार कल्याण मंत्रालयक अधिकारी सहित आओर गणमान्य लोग उपस्थित छला।

No comments: