
एकटा निजी कंपनी के भूमिक सर्वे करावई आ बिजनेस प्लान बनावई क
जिम्मेदारी देल गेला. ई कंपनी कंसल्टेंटक काज करत. सर्वेक बाद
निर्णय लेल जायत कि आइटी पार्कक डिजाइन कोंन तरहक होई. आइटी पार्कक लेल बिहटा में 25 एकड़ जमीन विभाग के भेटला.
अहि पर पीपीपी मोडक (लोक निजी साङोदारी) तहत आइटी पार्कक निर्माण होयत. अहि लेल बहुमंजिला इमारत बनत. विभाग स भेटल जानकारीक अनुसार,
छह माह में सर्वेक काज समाप्त भ जायत. तकर बाद निर्माणक कार्य शुरू
होयत.
आइटी पार्कक संग-संग ओहीक आस-पास क क्षेत्र के सेहो विकसित करवाक
योजना अछि. मुख्य सड़क स आइटी पार्क स्थल क जोड़ल जायत , ताकि पटना स ओतय
तक आबई -जाई म कोनो असुविधा नहीं होई. तखने देश-विदेशक पैघ-पैघ
कंपनी आकर्षित होंयत आ आइटी पार्क में अपन कार्यालय खोलत.
No comments:
Post a Comment