"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, August 15, 2012

उत्तर बिहार में ३८ अरब के उद्योग लागत

उत्तर बिहारक बेरोजगारक लेल नीक खबर अछि. एतय उद्योग लगावई क लेल आब दोसर राज्यक औद्योगिक घराना सेहो आबी रहल छैथ. नव उद्योग लगवाईक लेल 53 नव उद्योग के अनुमति भेटल हे, जकर अनुमानित लागत करीब 38 अरब अछि. उद्योग के प्रस्ताव के स्टेट इनवेस्टमेंट बोर्ड  पारित कय देलक.
अहि में स बहुतो क  सीएम कैबिनेट बोर्ड सेहो मंजूरी दय देलक . अहि उद्योग में सोलर पीवी पावर प्रोजेक्ट, नमकीन, बेकरी, मुर्गी दाना, आटा मिल, सिलिंडर प्लांट, बीयर आ राइस प्लांट प्रमुख अछि. एकर सूची सेहो बिहार सरकारक साइट पर जारी कय देल गेल. जहनी की पाहिले  स अनुमति प्राप्त अनेको उद्योग आब प्रोडक्शन क लेल तैयार अछि .
सबस बेसी  उद्योग वैशाली में लागत. एतय 20 उद्योग लगवई  के स्वीकृति भेटल अछि. जहनी की उत्तर बिहार में सबसे अधिक पूंजीक निवेश समस्तीपुर में कायल जायत. एतय 29 अरब क  10 उद्योग लागत. जाहिमे 2250 करोड़क फ्यूल थर्मल पावर सेहो शामिल अछि. मुजफ्फरपुर में छह उद्योग लागत, जकर लागत करीब डेढ़ अरब क होयत.
हजारों लोग के भेटत  रोजगार
अहि उद्योग सब के शुरू भेलाक बात उत्तर बिहारक करीब तीन हजार लोग के रोजगार भेटत. विभिन्न उद्यमि जे प्रस्ताव सरकार के भेजलैथ हे  ओहिमे संभावित लागत आ  विभिन्न पद पर कर्मी के संख्या सेहो दर्शायल गेल अछि . उत्तर बिहार के 53 उद्योग में करीब तीन हजार रोजगार के संभावना अछि. जाहिमे मजदूर स ल क एमबीए डिग्री धारक युवक के सेहो बहाली होयत.

No comments: