"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, December 3, 2011

मिथिला पेंटिंग वाला मधुबनी बनल आतंक क़े मोड्यूल


वर्षो पहिने कोनो निर्दोष व्यक्ति क़े हत्या क़े सजा मिथिला क़े कतेको गाम एखनो पावि रहल अछि .फला गाम क' नाम बुढ पुरान एखनो भोरे भोर नहि लैत छैथ .मिथिला में बनैया ,भुतही ,खुर्लुची सनक अनेको गामक उपनाम भेट जायत .लेकिन ओही अहिंसक मिथिला क़े मधुबनी जिला आई आतंक आ हिंसक अपराध क़े कारणे मधुबनी मोड्यूल क़े नाम सं जानल जायत अछि .पिछला पांच वर्ष में देश में भेल लगभग तमाम आतंकवादी घटना क़े तार मधुबनी सं जुडल अछि . अहि जिला क़े दर्जनों अपराधी इंडियन मुजाहिद्दीन आ लश्करे तोइबा सं संबध रखबाक कारणे पुलिस हिरासत में छैथ .मधुबनी पेंटिंग क़े नाम सं मशहूर ई जिला, मिथिलाक सरलता,विद्वता आ सांस्कृतिक विरासत क़े कारने सुविख्यात छळ .लेकिन अचानक आतंकवादी मोड्यूल क़े नाम सं किएक कुख्यात भेल ई पैघ सवाल अछि .लेकिन विचारनीय प्रश्न ई जरूर अछि जे मिथिला में हिंसक प्रवृति अपन जगह बना रहल अछि .
राजधानी दिल्ली स्थित जामा मस्जिद हमला आ पुणे स्थित जर्मन बेकरी बम धमाका मामला में सकरी ,गनवैर क़े गयूर अहमद आ शोइब क़े गिरफ़्तारी इंडियन मुजाहिदीन क़े तार मधुबनी सं जोड़ी देलक अछि .२००६ सं भारत में भेल दर्जनों आतंकवादी हमला में सीधे मधुबनी मोड्यूल क़े हाथ मानल जायत अछि .२००६ में मुंबई पुलिस बासोपट्टी निवासी मोहम्मद कमाल अंसारी क' गिरफ़्तारी मुंबई सिरिअल ब्लास्ट क़े आरोप में भेल छळ .२००७ में रामपुर सी आर पी ऍफ़ कैंप पर हमला क़े आरोप में सकरी ,गनवैर निवासी मोहम्मद साबुद्दीन क़े गिरफ्तारी सामने आयल .२००८ में यु पी पुलिस जयनगर निवासी पप्पू खान क़े दिल्ली सीरियल बोम्ब ब्लास्ट क़े आरोप में गिरफ्तार केने छळ .२००९ में बासोपट्टी क़े एक शिक्षक ओमर मदनी क़े दिल्ली पुलिस लश्करे तोइबा क़े ओवर ग्रौंड सदस्य क़े आरोप में केने छळ .जाहिर अछि ई तमाम गिरफ़्तारी पुलिस भारी छान -बीन आ मजबूत ख़ुफ़िया आधार पर केने छळ .ई गिरफ़्तारी आतंकवाद सं एक खास वर्ग क़े लगाव सं नहि जोड़ल जा सकैत अछि .अपितु भारत -नेपाल क़े बीच अनियंत्रित बोर्डर आ भ्रष्ट प्रशासन गरीब आ पिछडल लोक क़े रातो रात अकूत सम्पति बनेबाक फ़ॉर्मूला पेश कय रहल अछि .नेपाल में सक्रिय आई एस आई क़े एजेंट टका पैसा क़े प्रलोभन दय मधुबनी क़े ब्रीडिंग ग्रौंड बना रहल अछि .
बिहार -नेपाल क' ६२५ कि मी क़े खुल्ला बोर्डर राति हो या दिन बगैर कोनो बाधा क़े सबके लेल सुलभ अछि .जाहिमे जयनगर (मधुबनी )सं रक्सौल क़े बीच १२६ कि मी दुरी आई एस आई क़े गतिविधि क़े केंद्र बनल अछि .४१.६ ४ लाख आवादी वाला मधुबनी जिला जनसंख्या क़े लिहाज सं बिहारक तेसर पैघ जिला मानल जायत अछि .जतय लगभग ८ लाख लोक गरीबी रेखा सं नीचा गुजर करैत छैथ . ९४ प्रतिशत लोक एखनो गाम में कृषि रोजगार पर आश्रित छैथ .यानी गरीबी क़े मामला अब्बल अहि बोर्डर जिला में आई एस डी कॉल क़े भारी तादाद ख़ुफ़िया महकमा क़े चौका देने अछि .साप्रदायिक सद्भावना मिथिला क़े अहि बोर्डर इलाका सदियों सं बरक़रार अछि .खेती बाड़ी सं जुडल लोकक बीच सामाजिक सरोकार कोनो क्षेत्र सं बेसी अछि .अभाव आ विपन्नता क़े बीच हसी मज़ाक अहि ठामक पूंजी अछि .लेकिन गाम सं भेल पलायन आ नेपाल में आई एस आई क़े बढल सरगर्मी शांत प्रिय मधुबनी यानी मधु क़े वन में जहर घोली रहल अछि .(Sabhar: mithilalok.com

No comments: