"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, December 2, 2011

भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही

दरभंगा : प्रमंडलीय मुख्यालयक सामने धरना स्थल आ आसपास के इलाका वृहस्पति दिन नारा स गूंज रहल छल 'भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही', 'लऽ कऽ रहबै मिथिला राज्य।' आंदोलनकारी मिथिला राज्य संघर्ष समिति के बैनर तले मिथिला राज्यक मांग के ल क जुटल छाला। अहि दौरान पूर्व मेयर आ राजद के वरिष्ठ नेता ओमप्रकाश खेड़िया के अध्यक्षता में सभा भेल। अहिमे समिति के अध्यक्ष डॉ. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' मिथिला राज्य के लेल राजनीतिक दल, समाजसेवि आ विभिन्न संगठन के एकजुट होई के आह्वान केलखिन। ओ सीएम नीतीश कुमार स मिथिला राज्यक प्रस्ताव पारित क केंद्र के भेजई के आग्रह केलखिन। मिथिला विकास परिषद, कोलकाताक अध्यक्ष अशोक झा आजादी के बाद स अहि क्षेत्र के उपेक्षा पर क्षोभ प्रकट करैत आंदोलन के तीखा बनाबाई पर जोर देलखिन। जिला पार्षद डॉ. रामप्रवेश पासवान कहलें की मिथिला के बहुत पहिले राज्यक दर्जा मिल जेबाक चाहि आ अहि समय चली रहल आंदोलन में सब मिथिलावासी एकजुट भ जेबाक चाही। कांग्रेस नेता रामनारायण झा, मिथिला धर्म रक्षार्थ संघर्ष समिति के अध्यक्ष डा. एसएस झा, विद्यापति सेवा संस्थान के कार्यकारी अध्यक्ष डॉ. बुचरू पासवान, प्रो. उदयशंकर मिश्र, मो. सैफुल्लाह, मुखिया विजय पासवान, अधिवक्ता सियाराम चौधरी, रेखा चौधरी, देवकांत राय, श्याम किशोर राम, चंद्रशेखर झा बूढ़ाभाइ अपन विचार रखालानी। अंत में राष्ट्रपति के नाम संबोधित ज्ञापन आयुक्त के सौपल गेल।

2 comments:

Vikas Thakore said...

बहुत सुखद खबर...

Sonu Mishra said...

dhanyabad apne sabhak prem ahina bhetait raha....