"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, December 1, 2011

मुजफ्फ़रपुर :12 दिसंबर स पारले बिस्कुटक उत्पादन शुरू भ जायत


मुजफ्फ़रपुर : बियाडा में 36 करोड़ के लागत स पारले जी बिस्कुट क प्लांट बनि क तैयार अछी. सब किछ ठीकठाक रहल त प्लांट में 12 दिसंबर स बिस्कुटक उत्पादन शुरू भ जायत. अहि प्लांट स लगभग पांच सौ लोग के रोजगार भेटी के उम्मीद अछी.
प्लांट के डायरेक्टर संजीव ठाकुर कहलैनी कि लावानिया फिनबिस्ट प्राइवेट लिमिटेड के नाम स बियाडा 20 अक्तूबर 2010 क 5.5 एकड़ जमीन के आवंटन केने छल. 16 नवंबर 2010 स प्लांट बनाबाई के कार्य शुरू भ गेल छल.
श्री ठाकुर कहलैनी कि लावानिया फिनविस्ट प्राइवेट लिमिटेड कंट्रैक्ट मैनुफेक्चरिंग (सीएम) यूनिट क रूप में काज करत . ओ कहलैनी कि कंपनी के उद्देश्य अछि 12 दिसंबर स बिस्कुटक उत्पादन शुरू क देल जाय.
संजीव ठाकुर कहलैनी कि पहिले पारले जी बिस्कुट गोरखपुर, बनारस व कानपुर में बनैत छल. आ ओतहि स नॉर्थ बिहार में आपूर्ति कायल जैत छल, लेकिन आब मुजफ्फरपुर स पारले जी बिस्कुटक निर्यात नॉर्थ बिहार में होयत.
दो हजार टन उत्पादन
पहिल चरण में एक लाइन चालू कायल जायत. जाहिमे महीना के दो हजार टन बिस्कुटक उत्पादन होयत. अहि के बाद दू लाइन और चालू कैल जायत.ओ कहलैनी कि अगर तिनु लाइन चालू भ जायत त अहि प्लांट स पांच हजार टन बिस्कुटक उत्पादन होयत.
श्री ठाकुर कहलैनी कि अहि ठाम स नेपाल तक सप्लाइ कैल जायत. जरूरत परला पर कोलकाता कोलकता सेहो भेजल जायत.

No comments: