"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, December 3, 2011

बीपीएससी पीटी परीक्षाफल पर फैसला सुरक्षित

बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) द्वारा लेल गेल 53वीं से 55वीं पीटी परीक्षा के नतीजा क रद करे के मांग के मामला में वृसस्पति दिन हाइकोर्ट दुनु पक्ष के बहस सुनलाक बाद आदेश सुरक्षित राखी लेलानी।
कोर्ट आयोग स अहि समस्याक समाधान पूछने रहे। अगर आयोगक सुझाव मान लेल गेल त संभव अछी अहि पांच हजार और परीक्षार्थी सफल मानी लेल जायत। दरअसल, आयोग कट आफ मा‌र्क्स घटाबा पर तैयार भ गेल अछी। आयोग 141 अंक पर पुनर्मूल्यांकन करेक लेल तैयार अछी। अगर ऐना भ जाई त 915 सफल परीक्षार्थी त रहिये जायत , हिनक संख्या में और पांच हजार इजाफा भ जायत। ध्यान रहे कि 150 अंकों के परीक्षा में 8 प्रश्न गलत छल। 142 अंकों पर मूल्यांकन भेल छल। कोर्ट आयोग स दोबारा परीक्षा लेबा लेल कहने छल। फेर मूल्यांकनक मसला पर कमेटी बनल।
बहरहाल, काली न्यायाधीश अजय कुमार त्रिपाठी के बेंच सुनवाई करैत कहला कि दुनु पक्षक बहस के ध्यान में राखी क आदेश पारित कैल जायत। याचिकाकर्ता मनोज कुमार के ओर स बहस करैत अधिवक्ता मनन कुमार मिश्रा दलील देला कि आयोग 53वीं स 55वीं पीटी परीक्षा एक साथ करा लेलक, लेकिन रिजल्ट देबा में भारी अनियमितता बरतल गेल। जाही कारण हजारों परीक्षार्थि के भविष्य चौपट भ गेल आ इ यह छात्रक जिन्दगी स खिलवाड़ केनाइ भेल । उक्त परीक्षा में अनेक एहेन प्रश्न पूछल गेल जकर उत्तर च्वाइस में नहीं देल गेल छल।
उक्त परीक्षाक लेल 13 जनवरी 2011 क विज्ञापन निकलल गेल छल। परीक्षाफल में 14 हजार परीक्षार्थि के सफल घोषित कैल गेल छल। परीक्षाफल के रद करेक मांग के ल क दायर याचिका में 54 परीक्षार्थी शामिल छल।

No comments: