"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, December 12, 2011

अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन गुवाहाटी में

आठवां अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन 22 आ 23 दिसंबर क असोम के राजधानी गुवाहाटी में होयत। इ जानकारी सम्मेलन के महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू देलानी। विद्यापति सेवा संस्थान के प्रधान कार्यालय में सोमवार क प्रेस-वार्ताक दौरान ओ कहलें कि 2003 में मैथिली के संविधान क आठवीं अनुसूची में शामिल केलाक बाद हर साल मैथिली अधिकार दिवस के उपलक्ष्य में इ आयोजन होयत अछि। अहि सम्मलेन माध्यम स मैथिली संवैधानिक मान्यता प्राप्त भाषाओं की माला गूंथने में जुटल अछि। अहि बेर सेहो 24 भाषा के साहित्यकारों के सम्मानित कैल जायत। दरभंगा स मैथिली के साहित्यकार डॉ. महेंद्र नारायण राम, हिन्दी के डॉ. प्रभाकर पाठक, संस्कृत के डॉ. शशिनाथ झा सम्मानित हेता। एलएनएमयू के वीसी डॉ. एसपी सिंह आ आकाशवाणी के कार्यक्रम अधिशासी डॉ. प्रभात नारायण झा विशेष रूप स अभिनंदित हेता। डॉ. बैजू कहालैने कि देश-विदेश स प्रतिनिधि अहि सम्मलेन में भाग लेता। मैथिली के संवैधानिक मान्यता दिलवा वाला भाजपा के प्रदेश अध्यक्ष पद्मश्री डॉ. सी.पी. ठाकुर, मंत्री अश्रि्वनी चौबे व विजय कुमार चौधरी, सांसद कीर्ति आजाद व महेश्वर हजारी, विधायक संजय सरावगी, विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी, पूर्व सांसद सुखदेव पासवान, आइजी आर.के. मिश्र सम्मेलन में विशेष रूप स आमंत्रित छैथ। सम्मेलन में मिथिला-मैथिली के सर्वागीण विकास पर विमर्श के संग कवि-सम्मेलन, विचार-गोष्ठी आ सांस्कृतिक कार्यक्रम होयत।

No comments: