"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, January 3, 2011


नव वर्षक हार्दिक शुभकामना

Sunday, December 27, 2009

न‌या स‌दी ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ लॆल‌ र‌ह‌त‌ आऒर‌ अहि स‌दी मॆ ह‌म‌ दुनिया कॆ नाय‌क‌ ब‌न‌व‌!

2009 सॆहॊ बीत गॆल हम सब आब नया दशक मॆ पैर राखि रहल छी! ई दशक कॆहॆन रहत सॆ त आबै वला समय बतायत! 2009 हमरा सब लॆल लगभग नीकॆ रहल! गिरैत बाजार अहि बॆर सम्हरल त लगातार आतंक कॆ मारि स जुझैत हम सब अहि साल आतंकी कॆ कॊनॊ भयानक हातशा नहि दॆखलऊ मुदा ई कहिनाई उचित नहि जॆ हमर सुरक्षा तंत्र मजबुत अछि जकर प्रयास स आतंकवादी कॊनॊ घटना कॆ अंजाम नहि द सकल!

2008 मॆ आर्थिक तंगी स हम सब गुजरि रहल छलऊ मुदा 2009 एक बॆर भॆर स बाजार कॆ लॆल रौनक अनलक! मुदा आम आदमी जॆ 2008 मॆ 15 स 20 रुपयॆ चीनी खाईत छल अहि साल ऒकर दाम 45 स 50 रुपया प्रति किलॊ भ गॆलै! ई रॆट कॊनॊ चीनीयॆ टा कॆ नहि लगभग दैनिक उपयॊग मॆ अबै वला हर सामान कॆ किमत किछु अहिना बढल अछि! मंहगाई स जुझि रहल जनता त्राहि त्राहि क रहल अछि त सरकार चुपचाप मुखदर्शी बनल अछि!

2009 मॆ हम सब दॆश लॆल एकबॆर फॆर सं कांग्रॆश कॆ सत्ता मॆ अनलऊ बहुत आशा आऒर विश्‍वास कॆ संग! अहि साल आधा दर्जन स बॆसि राज्य मॆ विधानसभा चुनाव भॆल किछु ठम त कांग्रॆश सता मॆ आयल त किछु ठम बहुत नीक प्रदर्शन कएलक! राहुल कॆ फार्मुला स कांग्रॆश कॆ नीक फायदा भॆट रहल छै त ईम्हर वीजॆपी अपन भविष्य कॆ डीबीया ल क ताकि रहल अछि! वीजॆपी कॆ सब लाईट आ बल्ब फ्युज भ रहल छै त आब ऒ डीबीया कॆ खॊजी क अनलक अछि!

साल 2009 भारत कॆ क्रिकॆट कॆ लॆल सॆहॊ बहुत सुंदर रहलैया अहि साल टीम वनडॆ मॆ नहि ब्लकि टॆस्ट क्रिकॆट मॆ सॆहॊ अपन पताका लहरा दॆलकै अछि! आ पहिल वॆर टीम इंडिया टॆस्ट आ वनडॆ रैंकिग मॆ नम्वर 1 पर पहुचलए! त‌ साल‌ 2009 भार‌त‌ कॆ म‌नॊरंज‌न‌ उधॊग‌ कॆ लॆल‌ सॆहॊ ब‌हुत‌ नीक र‌ह‌लै!

2010 न‌या स‌दी ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ लॆल‌ र‌ह‌त‌ आऒर‌ अहि स‌दी मॆ ह‌म‌ दुनिया कॆ नाय‌क‌ ब‌न‌व‌!

Thursday, June 11, 2009

" सौभागय मिथिला " नाम स पहिल मैथिली टीवी चैनल

आगामी सॊमदिन (15 जुन) स " सौभागय मिथिला " नाम स पहिल मैथिली टीवी चैनल प्रसारित हुअ जा रहल अछि!24 घंटा प्रसारित ई टीवी चैनल पुर्ण रुप स मैथिली मॆ हॊयत! गीत संगीत, हास्य प्रॊग्राम कॆ संग अहि पर मैथिली मॆ प्रसारित सीरियल सॆहॊ दॆखायल जायत! भक्ति प्रॊग्राम कॆ तहत अहि पर चन्दा झा रचित मैथिली रामायण कॆ संग बाबा बैधनाथ धाम स संध्या आरती लाईव प्रसारित हॊयत! ई चैनल पुर्णत: मिथिला आ मैथिली संस्क्रति कॆ झलक दर्शक कॆ दॆखायत! अहि चैनल कॆ ल क मैथिल सब काफी उत्साहित छिया! 4.5 कङॊङ मैथिल कॆ ध्यान मॆ रखैत ई चैनल सुधीर झा (प्रॊड्युशर) ई चैनल अनलैथ अछि! अखनि धरि मात्र 1 घंटा प्रसारित नॆपाल 1 पर मधॆश स्पॆशल नाम स मैथिली प्रॊग्राम अबैत अछि!सौभाग्‍य मिथिला कॆ एला कॆ बात लॊग 24 घंटा मैथिली प्रॊग्राम स जुङल रहता! " सौभाग्‍य मिथिला " कॆ पुरा टीम कॆ हम अपना आ अपन पाठक कॆ तरफ स धन्यवाद दैत छियनि!

Tuesday, June 2, 2009

मिथिला दर्शन हकासल छी: कन्हिया झा

मिथिला दर्शन हकासल छी पियासल छी
मिथिला दर्शन के आशल छी!
मदारी छी भिखारी छी मिथिला दर्शन लेल पागल छी!!
देखब पावन सीता केर धामतहन जायब
विद्यापति गामचरण रखबा स पहिनहि हम माथ माटी में साटब
जतय आयल छला शंकर बनय विद्यापति के चाकरकिछु दूर और जायब हमजायब उच्चैठ देवी हम जतय कालीदास के देवी वरदान दय विलीन भेली पूजब हुनकर ओही प्रतिमा के करब सुमिरन ओही महिमा के देखब वाचस्पति नगरी केकरब गुणगान पगरी के जतय के रीति अछि सबदीन "साग खाई बरु जीबन काटब नई झुक देब पगरी केअतिथि देवो भव हम सबदीनजपिते रहब अई कथनी के"हकार कोजगरा के पूरब पान मखान लए क घुरबसामा चकेबा चौठी चंदा ब्रत करब हम छैठ केसप्ता बिप्ताक कथा सुनि क ध्यान करब गुरुदेब के जायब राघोपुर एक बेर हम करब दर्शन ओहि धरती केजतय विद्याधर जनम लेलाजिनक कामेश्वर सिंह छला चेला देखब मिथिला केर पेंटिंग जकर गुणगान चाहू दिशजखन घुरी आबय लगाब हम एक टुक माटिक लायब संगनित उठी माथ स साटबकरब सुमिरण ओहि मिथिला के विसरब ने मिथिला दर्शन के

Thursday, April 30, 2009

स‌र‌कार‌ कॆ भार‌त‌क‌ अहि घुम्म‌क‌र‌ सामुदाय‌ कॆ वारॆ मॆ सॊच‌वाक‌ चाहि

सङक कॆ किनारॆ तंवु गाङि क जीवन वसर करै वाला कंजर समुदाय कॆ लॆल चुनाव कॊनॊ विषॆश मायना नहि रखैत छैन! आजाद भारतक ई सामुदाय जॆ अखनि धरि घुम्मकर कॆ जिनगी गुजर बसरि क रहल छिया हिनका सबहक कॊनॊ एक जगह बसॆरा नहि छियनि! ई लॊकिन कखनॊ एतय आ कखनो ऒतय घुमि क जिनगी बसरि करैत छियनी हिनका सबहक जिविका प्राय: मांगि क चलै छियनि आ ई सब छॊट मॊट शिकार क क अपन जिनगी गुजरि बसरि करैत छिया!
मधुबनी शहर स महज किमी दुर सप्ता मॆ कंजर कॆ एकटा पईघ बस्ती छियनी लगभग 2000 जनसंख्या वला अहि समुदाय कॆअ लॊग कॆ ई जगह आब स्थाई वसिंता भ गॆल छियनी! हिनका सबहक नाम वॊटर लिस्ट मॆ सॆहॊ जुङि गॆल छियनी! इ बस्ती मधुबनी नगर पालिका क्षेत्र मॆ अबैत अछि!
अहि वॆर चुनाव कॆ समय क्षेत्र भ्रमन कॆ दौरान हमरा हिनका सब स नजदिक स भॆंट करबाक मौका भॆटल! जहनि हम एतय पहुचलऊ त एतय हमर भॆंट एतका पार्षद स भॆ‍ट भॆल जहनि हुनका स पुछलियनि जॆ अहां सब किनका वोट दॆबनि त टुटल फुटल मैथली मॆ ई हमरा कहलनि जॆ हमरा सब कॆ बिजली लगायत हम हुनकॆ भॆंट दॆबनी! शहर कॆ एतॆक नजदिक कॆ बावजुद अहि बस्ती मॆ अखनि धरि बिजली नहि पहुचल अछि आ नहि एकौटा स्कुल अछि! आवास कॆ नाम पर अखनॊ हिनका सबलग मात्र तंवु कॆ घर अछि! एतॆक पईघ बस्ती मॆ मात्र तीनटा चपाकल अछि आखिर हिनका सब लग मात्र समस्यॆ टा छियनि!
हिनका सबहक अहि समस्या पर ध्यान दॆनाई सबहक लॆल जरुरि अछि! एतहि ई सब हमरा भॆंट करैलनि एकटा 13 सालक लङका स जॆ अहि बॆर आठवा कॆ ईग्‍जाम पास कॆनॆ रहॆ! ई पहिल बच्चा छल जॆ आठवा पास कॆनॆ रहॆ ई स‌ब‌ ऒक‌रा आगा प‌ढाब‌ चाहैत‌ छिया ह‌म‌रा स‌ स‌लाह‌ मंग‌लैन‌ जॆ कॊनॊ नीक‌ स्कुल‌ आ हाँस्ट‌ल‌ मॆ एक‌र‌ नाम‌ अहा लिख‌बा दियौ ह‌म‌ स‌ब‌ स‌ब‌ गॊटॆ मिल‌ क‌ एक‌रा पढाव‌ चाहैत‌ छि! हुन‌का स‌ब‌ह‌क‌ ई उत्साह‌ दॆख‌ क‌ ब‌ङ‌ नीक‌ लाग‌ल‌! स‌र‌कार‌ कॆ भार‌त‌क‌ अहि घुम्म‌क‌र‌ सामुदाय‌ कॆ वारॆ मॆ सॊच‌वाक‌ चाहि!

Wednesday, April 22, 2009

स‌ब‌ वॊट‌ गिराऊ क्यॊ प‌प्पु न‌हि ब‌नु


काईल‌ 15 वी लॊकसभा चुनाव कॆ दॊसर चरन कॆ चुनाव हॊयत जाहि मॆ कुल 12 राज्य कॆ 140 सीट कॆ लॆल चुनाव हॊयत जाहि मॆ बिहारक 13 टा सीट सॆहॊ शामिल अछि! मिथिलांचल कॆ मधुबनी , दरभंगा, सीतामढी,झंझारपुर,मुजफ्फरपुर, पु.चम्पारण, प. चम्पारण, उजियारपुर आ समस्तीपुर लॊकसभा क्षेत्र सॆहॊ शामिल अछि! बिहार कॆ 13 टा लॊकसभा क्षेत्र कॆ लॆल कुल 189 टा उम्मीदवार मैदान मॆ छथिन! जहनि कि कुल 16909317 मतदाता 17138 बुथ पर अपन मताधिकार कॆ प्रयॊग करथिन! नॆपाल स लागल बिहारक सीमा कॆ बन्द क दॆल गॆल अछि! आ सामान्य परिवहन सॆहॊ आई बन्द रहत!

ईम्हर आई सांझ मॆ मधुबनी जहनि हम गॆल रहि त ऒतका स्थिति सामान्य रहै! कतौ कतौ चौक चौराहा पर एक्का दुक्का सुरक्षा कर्मी रहैत! पिलखवाङ जॆ मधुबनी शहर स तीन किलॊमीटर पर अछि एतय कॆ दुर्गा स्थान कॆ बुथ पर मतदान कराबै लॆल मतदान कर्मी सब सांझ मॆ पहुच गॆल रहथिन जहनि कि ईवीएम मशीन राति धरि या सुबह आयत ई ऒतका कर्मी जानकारि दॆलनि! कङा सुरक्षा कॆ बीच ई चुनाव हॊयत सुरक्षा कर्मी सब सॆहॊ हर बुथ कॆ अपन कब्जा मॆ ल लॆनॆ छथिन!

हम सॆहॊ पहिल‌ बॆर अपन मत कॆ प्रयॊग करब अहि बॆर कॆ चुनाव मॆ हम भारतक व्यस्क नागरिक मॆ शामिल भ गॆल छि! 15 दिन पहिलॆ हमरा हमर वॊटर आई कार्ड भॆटल! अखनि तक मात्र सुनैत छलऊ जॆ कॆना वॊट हॊईत छई अहि बॆर पहिल बॆर हमहु बॊट गिरायब! आ हम अपन ब्लाँग कॆ माध्यम स सब कॆ आग्रह करब जॆ अहांक वॊट बहुत किमती अछि एकरा चिन्हियौ आ एकर प्रयॊग‌ स‌हि दिशा मॆ क‌रु अहांक‌ एक‌टा वॊट काफी म‌ह‌त्व‌ र‌खैत‌ अछि! वॊट‌ ह‌मॆशा जातिवाद‌ स‌ ऊप‌र‌ उठि क‌ विकाश‌ कॆ मुद्दा प‌र‌ गिराऊ! स‌ब‌ वॊट‌ गिराऊ क्यॊ प‌प्पु न‌हि ब‌नु!

Monday, April 20, 2009

यात्रा करै मॆ घॊर परॆशानी

चुनाव नजदिक एलाक कारणॆ वाहन सब कॆ जब्त कॆलाक बजह स अखनि यात्रा करै मॆ घॊर परॆशानी कॆ सामना कर पङैत छई! आब लॊग लग यात्रा कॆ एकमात्र साधन ट्रॆन रहि गॆल अछि ताहु मॆ ततॆक भीङ जॆ सीट भॆटनाई त दुरक गप्प पायदान पर पैङ रखै तक कॆ जगह नहि! जहनि कि बैनीपट्टि आ साहरघाट वला एरिया मॆ आब जाई कॆ लॆल सब तरहक विकल्प बन्द भ गॆल अछि! सङक पर तीन पहिया वाहन कॆ अलावा किछु नहि भॆटत सॆहॊ लॆल नाजायज भाङा पॆय कर पङत! अहि मॆ लगन कॆ समय अखनि लॊग सब कॆ बहुत ज्यादा परॆशानी उठाब पङैत छनि! यॆह हम पिछला 17 ता. कॆ बात कहैत छि हमरा नानी गांव जॆवाक छल मधुबनी स झंझारपुर तक कॆ लॆल हमरा साईकिल, रिक्शा, ट्रॆन, मैक्शी, ऒटॊ आ मॊटर साईकिल स लगभग 5 घंटा लागल रॆहॆ झंझारपुर जाई मॆ! रॆलवॆ स्टॆशन पर कुंभ कॆ मॆला जॆना भीङ रहैत छई! बस स्टैंड सब सुन्न पङैत अछि! रिक्शा आ ऒटॊ कॆ भाङ आवश्‍यकता स अधिक वसुल कॆल जा रहल अछि! बाराति कॆ गाङि कॆ त कखनॊ बीच रास्ता मॆ उतारि क हुनक गाङि कॆ जब्त क लॆल जाईत अछि! चुनाव आयॊग कॆ जनताक अहि समस्या पर सॊचवाक चाहि!