"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, June 11, 2009

" सौभागय मिथिला " नाम स पहिल मैथिली टीवी चैनल

आगामी सॊमदिन (15 जुन) स " सौभागय मिथिला " नाम स पहिल मैथिली टीवी चैनल प्रसारित हुअ जा रहल अछि!24 घंटा प्रसारित ई टीवी चैनल पुर्ण रुप स मैथिली मॆ हॊयत! गीत संगीत, हास्य प्रॊग्राम कॆ संग अहि पर मैथिली मॆ प्रसारित सीरियल सॆहॊ दॆखायल जायत! भक्ति प्रॊग्राम कॆ तहत अहि पर चन्दा झा रचित मैथिली रामायण कॆ संग बाबा बैधनाथ धाम स संध्या आरती लाईव प्रसारित हॊयत! ई चैनल पुर्णत: मिथिला आ मैथिली संस्क्रति कॆ झलक दर्शक कॆ दॆखायत! अहि चैनल कॆ ल क मैथिल सब काफी उत्साहित छिया! 4.5 कङॊङ मैथिल कॆ ध्यान मॆ रखैत ई चैनल सुधीर झा (प्रॊड्युशर) ई चैनल अनलैथ अछि! अखनि धरि मात्र 1 घंटा प्रसारित नॆपाल 1 पर मधॆश स्पॆशल नाम स मैथिली प्रॊग्राम अबैत अछि!सौभाग्‍य मिथिला कॆ एला कॆ बात लॊग 24 घंटा मैथिली प्रॊग्राम स जुङल रहता! " सौभाग्‍य मिथिला " कॆ पुरा टीम कॆ हम अपना आ अपन पाठक कॆ तरफ स धन्यवाद दैत छियनि!

No comments: