"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, November 3, 2012

बिहार में भाजपा अभिभावकविहीन भ गेल

वरिष्ठ भाजपा नेता आ गुजरातक पूर्व राज्यपाल कैलाशपति मिश्रक लंबा बीमारीक बाद आई पटना स्थित हुनक आवास पर निधन भ गेलैनी . ओ 89 वर्षक छलैथ.
कर्पूरी ठाकुर मंत्रिमंडल में 1977 स 1980 धरी श्री मिश्र वित्त मंत्री सेहो छला। मिश्रक निधनक खबर मिलते उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सहित भाजपा क अन्य नेता पटना स्थित हुनक आवास पर जा क हुनका श्रद्धांजलि अर्पित केलखिन.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मिश्रक आवास जा क हुनका श्रद्धांजलि देलखिन. नीतीश कुमार कहला की श्री मिश्र सन कुशल राजनीतिज्ञ आ प्रसिद्ध समाजसेवीक निधन स राजनीति जगतक एक युगक अंत गेल.
श्री मिश्र के अखंड बिहार में भाजपाक 'भीष्म पितामह' कहल जाई छलैनी । ओ खास क बिहार आ झारखंड में ईट-ईट जोड़ क भाजपा के 'पैघ महल' ठाड़ केला। हुनक हैसियतक अंदाज भाजपा के राष्ट्रीय प्रवक्ता रविशंकर प्रसाद के अहि बात स लगायल जा सकैत अछि -'भाजपा अभिभावकविहीन भ गेल . एक युगक अंत भ गेल।' श्री मिश्र सन संगठनकर्ता नहीं छल। हुनका लेल सब किछ संगठन (पार्टी) छल। ओ पैदल, बस, तांगा आ रिक्सा तक पर बैस क संगठन के अहि ठाम तक पहुचेला।'
हुनक अंतिम संस्कार कलि राजकीय सम्मान क संग पतनक बॉसघाट में होयत। गुजरात के मुख्यमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो हुनका श्रधांजलि देबाक लेल पटना आबी रहल छैथ .

जीवन सफर : एक नजर
जन्म : 5 अक्टूबर 1923
पिता का नाम : पंडित हजारी मिश्र
गांव : दुधारचक (बक्सर)
1942 क आंदोलन में सक्रिय भागीदारी
1945 : राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ स जुड़ला (अपन जीवन संघ परिवार के समर्पित केला। आजीवन अविवाहित रहैक संकल्प।).
1945-46 : आराक प्रचारक
1959 : प्रदेश संगठन मंत्री
1977-80 : बिक्रम विधानसभा क्षेत्र स विधायक
* अहि दौरान कर्पूरी ठाकुरक सरकार में वित्त मंत्री
1980 : भाजपाक प्रथम प्रदेश (बिहार) अध्यक्ष
1983-87 : भाजपा प्रदेश अध्यक्ष
1984-90 : राज्यसभा सदस्य
1988-93 : भाजपाक राष्ट्रीय मंत्री
1993-95 : भाजपा प्रदेश अध्यक्ष
1995-2003 : भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष
* राष्ट्रीय मंत्री आ राष्ट्रीय उपाध्यक्षक पद पर रहैत बिहार, झारखंड, पश्चिम बंगाल, उड़ीसा आ अंडमान निकोबारक संगठन मंत्री

* 7 मई 2003 स 7 जुलाई 2004 : गुजरातक राज्यपाल

No comments: