"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, November 14, 2012

चैनपुर मैराथन : विकासक लेल दौडल पूरा चैनपुर

एक व्यापक राष्ट्रीय विकासक अवधारणाक बुनियाद गाँवक विकास में निहित अछि। जा धरी हमर गाँवक समुचित आओर समग्र विकास नही होयत, देशक विकास हमर कल्पना सिर्फ़ कल्पना के रूप में सिमटीक रही जायत। आ गाँवक विकासक लेल आवश्यक अछि हमर ग्रामीण संसाधनक समुचित उपयोग आ मानव संसाधनक दक्षताक विकास, युवाशक्ति आ युवा उर्जाक भरपूर इस्तेमाल, आ एकटा सकारात्मक सोच। अहि सब लक्ष्य के लयक सहरसा जिलाक कहरा प्रखंडक अन्तर्गत चैनपुर गाँवक देशक कोना कोना आ विदेश में बसल सरकारी आ अन्य प्रतिष्ठित बहुराष्ट्रीय संस्था में कार्यरत, आ अपन अपन व्यावसायिक क्षेत्र में, सुस्थापित लोग बीड़ा उठोलैनी अपन ग्रामीण समाज में एक नव जान फूँकईक आ ग्रामीण परिवेशक सुसुप्त सामाजिक-आर्थिक गतिविधि के एक नव विकासोन्मुख दिशा देबाक।

चैनपुर गाँवक निवासी (स्थानीय एवं गाँवक बाहर रहै वाला लोग) के द्वारा अहि उद्देश्यक पूर्ति हेतु दीपावलीक अवसर पर कालि प्रातः 9 बजे “चैनपुर मैराथन” क आयोजन केलक। अहि अवसर पर अहि कार्यक्रमक उद्घाटन सहरसा जिलाक जिलाधीश श्री मिसबाह बारी केलैनी आ अहि ऐतिहासिक अवसर पर प्रतिभागीक उत्साहवर्धन हेतु जिलाधीश महोदयक अतिरिक्त अन्य विशिष्ट अतिथि में जिला पुलिस अधीक्षक, मुख्य चिकित्सा अधिकारी, आ जिला स्तरक अन्य प्रमुख अधिकारी समेत अनेको गण्यमान लोग उपस्थित रहैथ ।
उक्त कार्यक्रम के प्रति ग्रामीण में जबरदस्त उत्साहक माहौल छल। लगभग 8 किलोमीटरक अहि दौड़ में चैनपुरक आलावा आस पासक गाँवक लगभग 400 धावक शामिल भेला। आ विजेता रहला सहरसा के मुस्कान। अहि मैराथन में भाग लेनिहार प्रतिभागी के आयोजकक तरफ़ स प्रमाण-पत्र आ विशिष्ट स्थान प्राप्त करई वाला के यथोचित ‘अवार्ड’, जाहिमे “ट्राफ़ी” आ प्रमाण-पत्र शामिल छल, प्रदान कायल गेल।
“चैनपुर मैराथन” रूपी अहि अनूठी पहलक माध्यम स एक सामाजिक-आर्थिक विकासक प्रति लोग के जागरूक करैक शुरुआत होयत आ नशामुक्ति, शिक्षा, स्वास्थ्य, आर्थिक विकास, आ मूलभूत ढांचागत विकासक प्रति एक स्वस्थ मानसिकता आ सकारात्मक सोचक आगाज़क संदेश देल गेल ।
फेसबुक फोरमक माध्यम स अहि तरहक इ इवेंट के आयोजन ग्रामीण सब केलैनी ,चैनपुर वासी पहिल बेर अपन विकासक एजेंडा एही तरहें जिलाधिकारीक समक्ष रखलेथ,गाँवक वरिष्ठ व्यक्ति गन अपन नैतिक समर्थन देलैथ,पूरा ग्रामीण एक आशा के नजर स डी एम् साहब आ आयोजक के सुन्लैथ। अहि इवेंट के सफल बनावई में श्री संजय कुमार झा , श्री किशोर जी,श्री निरंजन जी,श्री अगम जी ,श्री दीपू जी,श्री देवेन्द्र जी ,श्री संतोष जी इत्यादी जे काफी कोशिश आ मेहनत केलैथ.

2 comments:

mamanjee said...

chainpur gaam ke dwara kail gel i prayas anukarniya achhi.

Unknown said...

kadachit mairathan sa Gaamak vikas sambhav nahi haan kichhu log avashya juti jayat aichh. ki ahi me kharch bhel paisa sa gaamak kichhu samasyak samadhan hoytaik.