"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, December 31, 2008

मंदी स‌ ल‌ क‌ मुम्ब‌ई त‌क‌

वर्ष 2008 कॆ समाप्ति भ गॆल हमरा लॊकिन नव वर्ष 2009 मॆ प्रवॆश कए गॆलऊ, अहां सब गॊटॆ कॆ नव वर्ष कॆ हार्दिक शुभकामना!2008 इतिहास कॆ पन्ना मॆ आब शामिल भ गॆल! साल 2008 विशॆष रहल भारतक संग संग सम्पुर्ण विश्व कॆ लॆल!साल 2008 मिथिलावाशी कॆ सदा याद रहतैन मिथिलांचल मॆ जॆ त्रासदी अहि साल आयल ऒ क्यॊ आजीवन नहि विसरि सकैत छी! कॊशी अहि साल जॆ अपन उग्र रुप दॆखॆलक ऒकर क्यॊ आशा सपनॊ मॆ नहि क सकैत छि! कॊशी स पिङित लॊक सबहक अखनौ स्थिति बङ खराब छैन आशा करैत छी जॆ ई साल हिनका सब कॆ जिनगी पुन: पटरि पर लौट ऎतनि!
वर्ष 2008 विश्वक लॆल सॆहॊ बङ नीक नहि रहल सालक शुरुवात स जॆ विश्व कॆ बाजार गिरल सॆ अखनि धरि नहि उठलि अछि! आर्थिक जानकार एकरा दॊसर सबस पईघ मंदी कहला! जकर प्रभाव संम्पुर्ण विश्व पर पङलै आ भारत सॆहॊ अहि स अछुता नहि रहि सकल!
साल 2008 कॆ जहनि वात करि त अमॆरिका कॆ विना ई अधुरा हॊयत! अमॆरिका जॆ मंदी कॆ दौर स गुजरि रहल अछि जार्ज वुश कॆ नॆत्रित्व मॆ आई आठ साल स आगा बढि रहल छल हुनक नॆत्रित्व एतहि विराम हॊईत आव अमॆरिका अपन पहिल अश्वॆत राष्ट्रपति वराक ऒवाम कॆ नॆत्रित्व मॆ आब आगां बढता! ऒवामा कॆ ई जीत सदभावना कॆ जीत अछि!हमहु हुनक अहि जीत पर हार्दिक बधाई दैत छियनि!
आतंक आ राजनिति कॆ समस्या स जुझैत भारत कॆ लॆल ई साल मिलाजुला रहल! भारत कॆ लॆल अहि सालक सबस पैघ उपलब्धि रहल अमॆरिकाक संग विश्वक अन्य दॆशक संग भॆल परमाणु समझौता! चंद्रायान‌ कॆ स‌फ‌ल‌ परिक्षण! भार‌त‌ चांद‌ प‌र‌ प‌हिल‌ मान‌व‌ र‌हित‌ विमान‌ भॆज‌क‌ दुनिया कॆ अप‌न‌ स्पॆश‌ ताक‌त‌ स‌ प‌रिच‌य‌ क‌रॆल‌क‌!
साल‌ 2008 मॆ भार‌त‌ आतंक‌ कॆ न‌व‌ चॆह‌रा दॆख‌ल‌क‌ आखिर‌ आतंक‌वादी कॊनॊ घ‌ट‌ना कॆ अंजाम‌ अहुना द‌ स‌कैत‌ अछि एक‌र‌ क‌ल्प‌ना क्यॊ न‌हि क‌ स‌कैत‌ छ‌ल‌! अहि साल‌ भार‌त‌ कॆ स‌ब‌ प्रमुख‌ श‌ह‌र‌ मॆ आतंक‌वादी अप‌न‌ घ‌ट‌ना कॆ अंजाम‌ कॊनॊ न‌हि कॊनॊ रुप‌ स‌ दॆल‌क‌! मुम्ब‌ई मॆ भॆल‌ आतंक‌वादी जाहि रुप‌ स‌ पाकिस्तान‌ कॆ हाथ‌ साम‌नॆ आय‌ल‌ सॆ आव‌ ई स्प‌ष्ट‌ क‌ दॆल‌क‌ जॆ पाकिस्तान‌ कॆ खिलाफ‌ ह‌म‌रा लॊकिन‌ कॆ आब‌ किछु क‌ङा क‌द‌म‌ उठाबैयॆ प‌ङ‌त‌!
ई साल‌ भार‌तीय‌ क्रिकॆट‌ कॆ लॆल‌ सॆहॊ अविस्म‌र‌णीय‌ र‌ह‌ल‌! सौर‌भ‌ आ कुंब‌लॆ कॆ भार‌त‌क‌ लॊग‌ ह‌मॆशा याद‌ र‌ख‌तैन‌!
एक‌ बॆर फॆर‌ अहा स‌ब‌ कॆ न‌व‌ व‌र्ष‌ कॆ हार्दिक‌ शुभ‌काम‌ना! मिथिला संग‌ संग‌ स‌म्पुर्ण‌ विश्व‌ कॆ लॊग‌ कॆ लॆल‌ ई व‌र्ष‌ अत्यंत‌ सुख‌ आ शांति लावॆ!
ज‌य‌ मिथिला ज‌य‌ भार‌त‌ ज‌य‌ विश्व‌

No comments: